• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बैलगाड़ी बनत बिहार पर्यटन क विकास रथ

October 3, 2009
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। आवागमन क परंपरागत साधन क लुत्फ उठेबा क हुए त बिहार आऊ। गंगा क लहरि पर हेलइत जहाज पर ठेठ बिहारी गीत-संगीत क संग देसी व्यंजन क स्वाद आ बीच-बीच मे अबैय वाला पड़ाव पर बैलगाड़ी, रिक्शा आओर हाथी क सवारी क व्यवस्था।
एहि दौरान गंगा तट पर होइवाला आरती क आनंद सेहो। इ सब बिहार राज्य पर्यटन निगम क नव योजना छी, जे तीन आइ जमीन पर उतरि गेल। एकटा विदेशी निजी कंपनी क सहयोग स इ अद्भुत योजना तैयार भेल अछि। एकर पाछु मुख्य सोच विदेशी पर्यटक कए आकर्षित करब अछि।
56 विदेशी पर्यटक कए लकए 28 कोठलीवाला जहाज आइ कोलकाता स वाराणसी क लेल विदा भ रहल अछि। इ चारि तारीख कए बटेश्वर स्थान पहुंचत। कहलगांव, मुंगेर, सिमरिया, बाढ़, पटना, मोहजामपुर आ बक्सर मे रुकेैत इ नौ तारीख कए उत्तर प्रदेश चल जाइत। एहि जहाज मे अमरीका, जर्मनी, ब्रिटेन, जापान आदि देश क पर्यटक सवार छथि।
कोलकाता स वाराणसी तक गंगा क लहरि पर मौजमस्ती क संग-संग सैर करैय वाला पर्यटक क लेल जहाज पर मनोरंजन आ बिहारी व्यंजन क सेहो व्यवस्था रहत। पर्यटक कए विक्रमशिला आ नालंदा विश्वविद्यालय क भग्नावशेष दिखाउन्ल जाइत आओर भारत क प्राचीन इतिहास क जानकारी देल जाइत।
पर्यटक कए बोधगया, राजगीर सहित ओ सबटा पुरातात्विक स्थल क भ्रमण कराउल जाइत जे दस्तावेज अलग लोक स्मृतिय मे सेहो दर्ज अछि। हुनका मुंगेर मे योग क पहिल विश्वविद्यालय सेहो घुमाउल जाइत। पर्यटक क दल पटना क ऐतिहासिक धरोहर स सेहो रू-ब-रू हेताह।
पर्यटन विभाग क प्रधान सचिव सह बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम क प्रबंध निदेशक सह अध्यक्ष रश्मि वर्मा कहलथि जे समझौता क अनुसार सबटा तैयारी भ चुकल अछि। ब्रिटेन क पांडव रीवर क्रूज प्राईवेट लिमिटेड कंपनी और पर्यटन निगम के बीच एमओयू पर मई मे हस्ताक्षर भेल छल। एकर तहत विदेशी पर्यटक कए कोलकाता स वाराणसी आ वाराणसी स कोलकाता क बीच एक वर्ष तक भ्रमण करेबाक योजना अछि।
समझौता क तहत सब बेर पर्यटक क सुविधा निगम उपलब्ध कराउत। बिहार मे पर्यटक क इ सात दिन क यात्रा अछि। एहि दौरान पर्यटक कए राज्य क पर्यटन स्थल क भ्रमण क सुविधा उपलब्ध करेबा आ हुनकर सुरक्षा क जिम्मेदारी निगम क अछि। पर्यटन निगम क अधिकारी क अनुसार निगम क दिस स गाइड आ वाहन क सेहो व्यवस्था अछि। भारी संख्या मे सुरक्षाकर्मी सेहो तैनात रहत।
पिछला एक माह स निगम अधिकारी एहि पैकेज कए अंतिम रूप देबा मे लागल छलाह। उत्तर प्रदेश मे प्रवेश स पूर्व विदेशी क आकर्षण क केंद्र बक्सर होयत। एहि ठाम पर्यटक कए बैलगाड़ी स घुमाउल जाइत। हुनका हाथी क सवारी क सेहो आनंद उठेबाक मौका भेटत । निगम अधिकारी कहैत छथि जे जलमार्ग स विदेशी क आगमन क इ प्रयोग ‘अनूठाÓ अछि।

पर्यटक जहाज : कहलगांव से बक्सर वाया पटना

चार अक्टूबर
दोपहर 12 बजे जहाज बटेश्वर स्थान।
विक्रमशिला रवाना
कहलगांव मे जहाज मे रात्रि विश्राम
डॉ गोपाल शरण देताह डाल्फिन क जानकारी।

पांच अक्टूबर
कहलगांव स रवाना
65 किमी दूरी तय करि सुलतानगंज मे ठहराव
गंगा नदी मे डालफीन देखबाक आनंद लेताह
मुंगेर मे जहाज मे रात्रि विश्राम
छह अक्टूबर
मुंगेर योग आश्रम रिक्शा स जेताह
मुंगेर स विदा भ सिमरिया घाट ठहराव
सिमरिया मे जहाज पर राति बितत।
सात अक्टूबर
सिमरिया से जहाज रवाना
पटना जिला क बाढ़ पहुंचत।
7.30 बजे सड़क मार्ग स नालंदा रवाना
राजगीर मे भोजन
सांझ तक बोधगया पहुंचताह।
बोधगया स पटना आबि रात्रि विश्राम
आठ अक्टूबर
पटना क विभिन्न ऐतिहासिक आ पर्यटक स्थल क भ्रमण
मनेर मे जहाज पर सवार हेताह
बक्सर से पहिने मोहजामपुर मे जहाज मे रात्रि विश्राम
नौ अक्टूबर
बक्सर ठहराव।
दस अक्टूबर
जहाज चौसा होइत वाराणसी क लेल रवाना

ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

नरसंहार मामला मे 16 गिरफ्तार

Esamaad Epaper Website

नरसंहार मामला मे दू अधिकारी निलम्बित

Esamaad Epaper Website

नरसंहार मे हमर हाथ नहीं : नक्सली

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि