• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

ब्रिटानिया मुजफ्फरपुर मे स्थापित करत एक्सपोर्ट पार्क

May 7, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। ब्रिटेनिया बिहार पहुंच गेल अछि। कंपनी 55 करोड़ क लागत स मुजफ्फरपुर मे एक्सपोर्ट प्रोमोशन इन्सेंटिव पार्क(ईपीआईपी) लगा रहल अछि। कंपनी कए एकरा लेल 10.56 एकड़ जमीन उपलब्ध करा देल गेल अछि। एकर अलावा सेहो कईटा कंपनी क निवेश क काज तेज भ गेल अछि जाहि स एहि एक स डेढ़ साल मे उत्पादन आरंभ करि देल जाएत।
जानकारीक अनुसार ब्रिटानिया हाजीपुर लग 10.56 एकड़ भूमि लेलक अछि। एहि ठाम कंपनी क योजना 55 करोड़ टका निवेश करबाक अछि। कहलगांव मे सेंचुरी सीमेंट सेहो 50 एकड़ भूमि लेलक अछि। एकर अलावा, एहि इलाका मे अमृत सीमेंट आ ग्रीन वैली सीमेंट सेहो सरकार स 30-30 एकड़ जमीन कीनलक अछि। एहि सीमेंट कंपनी मे स ककरो योजना 100 करोड़ स कम क नहि अछि। दरअसल, कहलगांव मे एनटीपीसी क बिजली संयंत्र हेबा स सीमेंट कंपनी कए फ्लाई ऐश आसानी स भेट जाएत। एकर अलावा, बिहिया मे रामको ग्रुप 20 एकड़ क जमीन पर 80 करोड़ टका निवेश करबाक फैसला लेलक अछि।
उद्योग विभाग क प्रधान सचिव रामेश्वर सिंह क संग पत्रकार स गप करैत बियाडा क प्रबंध निदेशक अंशुली आर्या कहलथि जे एनटीपीसी क ‘फ्लाई ऐशÓ स सीमेंट बनेबा लेल सेंचुरी सीमेंट, अमृत सीमेंट आ ग्रीन वैली सीमेंट कए 30-50 एकड़ जमीन देल गेल अछि। एहि स करीब 400 करोड़ क निवेश भेल अछि। गिद्धा मे निधि, बिहिया मे रैमको जइसन कंपनी एस्बेस्टस शीट बनेबाक इकाई लगा रहल अछि। फारबिसगंज मे ऑस्ट्रेलिया स्थित एकटा एनआरआई मोती बाबू इंस्टीच्यूट ऑफ टेक्नोलोजी बना रहल छथि। छोटे उद्योग पर सेहो ध्यान अछि। ‘राइस क्लस्टरÓ बनाकए बेरोजगार युवक कए रोजगार देबाक प्रयास भ रहल अछि। एकरा लेल प्रत्येक कए 10,200 वर्ग फीट जमीन बिहिया आ बेतिया मे देल जा रहल अछि। बेतिया मे त 15टा युवक क बीच आवंटन करि देल गेल अछि। ओ कहलथि जे लैंड-बैंक क माध्यम स निवेशक कए कहलगांव मे 686 एकड़ आ बिहटा मे 669 एकड़ जमीन मुहैया करौल गेल अछि। निवेशक क सुविधा क जिक्र करैत प्रधान सचिव रामेश्वर सिंह कहला जे फूड प्रोसेसिंग क इकाई लगौनिहार मे स तीनटा कए अनुदान क पहिल किस्त देल गेल अछि। एहि सप्ताह तीनटा आओर आ अगिला दू माह मे बाकी सब कए पहिल किस्त द देल जाएत। अनुदान क रूप मे कुल 102.04 करोड़ क राशि वितरित कैल जाएत।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

तीनटा थर्मल परियोजना लेल कोल लिंकेज क आसार बढ़ल

Esamaad Epaper Website

भागलपुर-बांका रेलखंड पर बढि़ सकैत अछि ट्रेन फेरा

Esamaad Epaper Website

कोसी नदी पर बनल पुल क होएत जीर्णोद्धार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि