• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

भारत-नेपाल सीमा पर बनत नवका सड़क

January 20, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । गृह मंत्रालय क योजना क तहत भारत-नेपाल सीमा पर जे सड़क बनाउल जेबाक अछि ओ सशस्त्र सीमा बल (एसएसबी) द्वारा तय एलायनमेंट पर बनत। पथ निर्माण विभाग क देखरेख मे बनि रहल इ सडक क लेल राशि गृह मंत्रालय द्वारा उपलब्ध कराउल जा रहल अछि, मुदा सड़क क लेल जमीन अधिग्रहण पर जे राशि खर्च हेबाक अछि ओ राज्य सरकार खर्च करत। गृह मंत्रालय क एहि योजना क तहत बिहार-नेपाल सीमा पर 570 किमी सड़क बनत। आरंभिक आकलन क हिसाब स एक किमी सड़क निर्माण पर 3.10 करोड़ टका खर्च कैल जाएत। भारत-नेपाल सीमा पर सड़क बनेबा लेल जे गृह मंत्रालय क प्रस्ताव अछि ओकर अनुसार स सड़क पक्का बनत, मुदा इ दू लेन क होएत। निर्माण कार्य क मानिटरिंग पथ निर्माण विभाग करत। वर्तमान मे एहि सड़क क निर्माण क लेल विस्तृत परियोजना रिपोर्ट तैयार कैल गेल अछि। एहि बाबत पथ निर्माण विभाग हर हफ्ता इंजीनियर क संग समीक्षा बैठक करि रहल अछि। विस्तृत परियोजना रिपोर्ट तैयार करबाक जिम्मा बिहार राज्य पथ विकास निगम लिमिटेड कए देल गेल अछि। पथ निर्माण विभाग क सचिव प्रत्यय अमृत अभियंता कए हिदायत देलथि अछि जे इ परियोजनाक राज्य लेल विशेष महत्व अछि एहि लेल एकरा समय स आ सही तरीका स पूरा कैल जाए। पूर्व मे एहि सड़क क एलायनमेंट पर गृह मंत्रालय, एसएसबी आ पथ निर्माण विभाग क अधिकारी क एक बैठक सेहो भ चुकल अछि। बैठक मे तय भेल छल जे नव एलायनमेंट पर इ सड़क बनाउल जाए, एकरा लेल फारेस्ट क्लियरेंस आ वाइल्ड लाइफ क्लियरेंस क लेल सेहो राज्य सरकार कए काज करबाक अछि। ओना एकरा लेल एसएसबी क सबटा कमांडेंट कए सहयोग क लेल कहल गेल अछि।

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

गणित मे काफी आगू अछि बिहार क बच्चा

Esamaad Epaper Website

डेढ़ साल मे तैयार भ जाएत पटना एम्स

Esamaad Epaper Website

आब 65 मे रिटायर हेताह मेडिकल कालेज क टीचर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि