अरवल । वाहन लूट क लेल कहियो चर्चित रहल मधुबन आब चाउर उत्पादन क मुख्य केन्द्र आ जिला क औद्योगिक क्षेत्र बनि रहल अछि। जे बेरोजगार युवक क लेल संजीवनी देबाक काज करत। मधुबन मे भारत सरकार क खाद्य मंत्रालय द्वारा प्राइवेट फुड प्रोडक्स क अनुज्ञप्ति भेटलाक बाद व्यवसायी संजय कुमार द्वारा मुख्यालय स महज 7 कि.मी. क दूरी पर अवस्थित फतेहपुर संडा गाम (मधुबन) मे बारह करोड़ टकाक लागत स पहिल परियोजना पर काज प्रारंभ भ चुकल अछि। परियोजना कए चलेबा लेल प्रतिदिन एक लाख 60 हजार कि.लो. धान क आवश्यकता होएत। जे अरवल क खेत स असंभव अछि। एहन मे अगल-बगल स आपूर्ति हेबाक संभावना बेसी अछि। एहि परियोजना लेल लगभग तीन सौ कामगार आवश्यकता पड़त। एहि संबंध मे परियोजना क निदेशक संजय कुमार कहला जे भारत सरकार स मान्यता प्राप्त अरवल फुड प्राइवेट लिमिटेड बिहार क एकलौता परियोजना अछि। जेकर निर्माण विश्व क जानल-मानल फ्लावर टीम, फरीदाबाद क अभियंता अनूप नंदा क देखरेख मे कराउल जा रहल अछि। ओ कहला जे एकर निर्माण स जतए सरकार कए नीक राजस्व भेटत ओतहि बेरोजगार कए रोजगार सेहो भेटत। रोजगार उपलब्ध करेबा मे कंपनी स्थानीय बेरोजगार कए प्राथमिकता देत। ओ कहला जे कंपनी अप्रैल माह स अपन प्रोडक्सन प्रारंभ करि देत।