• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

ममता क नायककेन्द्रित सांस्कृतिक खेल

March 3, 2011
in विचार, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

जगदीश्वर चतुर्वेदी
रेलमंत्री ममता बनर्जी भाषायी सांस्कृतिक संकीर्णतावाद क खतरनाक खेल खेला रहल छथि। इ खेल राष्ट्रीय एकता क लेल खतरनाक साबित भ सकैत अछि। रेल कए राष्ट्रीय एकीकरण क प्रतीक मानल जाइत अछि। ममता बनर्जी रेलमंत्री बनलाक बाद स ओकरा बांग्ला सांस्कृतिक उन्माद आ नायककेन्द्रित सांस्कृतिक फासीवाद क औजार बना देलथि अछि। कोनो राजनैतिक दल ममता बनर्जी क एहि हथकंडा क प्रतिवाद नहि करि रहल अछि, माकपा तक वोट क राजनीति क दबाब मे मुंह बंद केने अछि।
ममता बनर्जी महज वोट पेबा लेल पश्चिम बंगाल मे अनेक स्टेशन क नामकरण नामी-गिरामी लोक क नाम स केलथि अछि। इ हुनकर सांस्कृतिक प्रेम क नहि बल्कि भाषायी उन्माद पैदा करबाक कोशिश अछि।
नायककेन्द्रित सांस्कृतिक फासीवाद क फ्रेमवर्क मे एहि बेरका रेलबजट सेहो रहल, रवीन्द्रनाथ टैगोर आ स्वामी विवेकानंद क नाम स नव गाडी चलेबाक घोषणा भेल।
कानूनक अनुसार कोनो लोकक नाम पर गाडीक नाम नहि राखल जा सकैत अछि। ताहि लेल एकर नाम विवेक आ कविगुरू राखल गेल अछि। मुदा हाल एहने रहल त आगू क दिन मे हम सब जवाहर, राजीव आ प्रियदर्शनी एक्सप्रेस सेहो देखब, किया कि बंगालक बाद ममता कए केवल गांधी परिवार आ गांधी परिवारक संसदीय इलाका टा देखाइत छैन। ममता अपन कार्यकाल मे अनेक नायक क नाम स रेलवे स्टेशन क नाम सेहो रखलथि अछि, मुदा ओहि सूची मे सेहो केवल बंगाल अछि। इ सीधा अंध बांग्ला क्षेत्रवाद आ नायककेन्द्रित सांस्कृतिक फासीवाद अछि, एकरा कोनो हालत मे सांस्कृतिक प्रेम नहि कहल जा सकैत अछि। सांस्कृतिक प्रेम भाषायी अंधत्व स जखन बंहा जाइत अछि त सामाजिक टकराव पैदा करैत अछि आ ममता बनर्जी इ काज करि रहल छथि । इ खतरनाक खेल अछि। एकरा बंद कैल जेबाक चाही।
रेल मंत्रालय इ निर्णय ल सकैत अछि जे नामी-गिरामी सांस्कृतिक हस्ती क नाम स रेलवे स्टेशन क नाम राखल जाए, मुदा इ काज पूरा देश क पैमाना पर हेबाक चाही आ सब भाषा क प्रति समान नजरिए क आधार पर हेबाक चाही। मुदा ममता बनर्जी देश क सबटा भाषा क प्रति समान नजरिया अपनेबाक बजाय रेल अपन अंध क्षेत्रवादी राजनीतिक स्वार्थं क लेल रेलवे कए इस्तेमाल करि रहल छथि। देश मे कतहु नामी सांस्कृतिक हस्ती क नाम पर रेलवे स्टेशन क नामकरण नहि भेल अछि। पश्चिम बंगाल मे सेहो विगत 60 साल मे कहियो नायककेन्द्रित नामकरण नहि भेल मुदा ममता बनर्जी क रेलमंत्री बनलाक बाद बंगाली हस्ती क नाम स पश्चिम बंगाल मे रेल स्टेशन क नामकरण भ रहल अछि, जे एक तरह स गलत परंपरा अछि।
तहिना रेल बजट मे बंगाली क्षेत्रीयतावाद क आलम रहल जे रवीन्द्रनाथ टैगोर आ विवेकानन्द क नाम स नव ट्रेन चलाउल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे हिन्दीभाषी रेलमंत्री सब कहियो कोनो हिन्दीभाषी पैघ लेखक क नाम स ट्रेन नहि चला सकलाह। एतबा धरि जे जयंती जनताक नाम सेहो वैशाली करि देल गेल किया कि ओ नायककेन्द्रित नामकरण छल। मुदा ममता एहि कानून कए सेहो नजरअंदाज केलथि।
ममता बनर्जी जाहि तर्क स कविगुरू आ विवेका नाम स गाडी देलथि अछि ओहि आधार पर 125म जयंती पर देशरत्न राजेंद्र प्रसाद पर गाडी भ सकैत छल आ 100 साल पूरा भेला पर नार्गाजुन क नाम पर सेहो गाडी भ सकैत छल।
तहिना उत्तमकुमार क नाम स एकटा स्थानीय रेलवे स्टेशन क नाम राखल गेल अछि। ऐना त ओ इलाहाबाद रेलवे स्टेशन क नाम फिल्म अभिनेता अमिताभ बच्चन क नाम पर राखि सकैत छलीह। अमिताभ क कद उत्तमकुमार स कोनो मामला मे कम नहि अछि। देशक कोनो स्टेशनक नाम लता दीदीक नाम पर सेहो भ सकैत अछि। उत्तम कुमार बंगाल क महानायक छथि मुदा अमिताभ समूचा देश क फिल्म उद्योग क निर्विवाद महानायक छथि। लता दीदी त भारत रत्न छथि। मुदा एहन नहि भ सकल। असल मे ममता बनर्जी रेलवे स्टेशन क नामकरण नायक क नाम स करिकए नायककेन्द्रित फासिस्ट सांस्कृतिकबोध क प्रचार करि रहल छथि, इ राष्ट्रीय एकता आ लोकतंत्र क बुनियादी स्प्रिट क खिलाफ अछि।
हिन्दी क महाकवि सूर्यकान्त त्रिपाठी ‘निराला’ महिषादल मे जनमल छलाह। ओ अपन जीवन क मूल्यवान कई दशक पश्चिम बंगाल मे गुजारने छथि। मुदा हुनकर नाम पर सेहो गौर नहि कैल गेल। हुनकर जन्मस्थान क लग मे कोनो छोट स हाल्ट क नाम सेहो हुनकर नाम पर नहि अछि। निराला मे रवीन्द्नाथ क अनेक खूबि देखल जा सकैत अछि, बंगाली जाति क सांस्कृतिक सौष्ठव सेहो अछि। ओ हिन्दी क ओहने नायक छथि जेहन बांग्ला क रवीन्द्रनाथ।
राजनीतिक रूप स देखल जाए त पश्चिम बंगाल क राजनीति मे हिन्दीभाषी क 30 स बेसी सीट पर निर्णायक भूमिका अछि, एहि मे बिहार आ उत्तरप्रदेश क मूलक पैघ संख्या अछि। खासकए मैथिलवासी पिछला लोकसभा चुनाव मे तृणमूल कांग्रेस कए जमिकए वोट देने छलथि, जाहि स सुदीप वंद्योपाध्याय कए कोलकाता पूर्व सन सीट जीतबा मे सुविधा भेल। एहन मे मैथिली भाषी क नायक रहल बाबा नागार्जुन क एहि साल जन्मशती वर्ष अछि। बाबा नागार्जुन हिन्दी क आदर्श महानायक सेहो छथि। रेलमंत्री ममता बनर्जी हुनको उपर ध्यान नहि देलथि। बाबा क नाम स कोनो ट्रेन आरंभ नहि कैल गेल। अगर रवीन्द्नाथ क नाम स ट्रेन चलल त बाबा क नाम स किया नहि । बाबा नागार्जुन कए मैथिली आ हिन्दी क नजरूल कहल जाइत अछि। एहन महाकवि क इ शताब्दी वर्ष अछि आ बाबा क नाम स ममता बनर्जी कए देश क कोनो स्टेशन क नामकरण करबाक या ट्रेन चलेबाक इच्छा नहि भेल। सवाल उठैत अछि जे रवीन्द्रनाथ टैगोर आ विवेकानन्द मे एहन की अछि जे सुब्रह्मण्यभारती ,निराला आ नागार्जुन मे नहि अछि। असल गप इ अछि जे रेल क ओट मे ममता बनर्जी नायककेन्द्रित सांस्कृतिक फासीवाद क राजनीति करि रहल छथि, एकर प्रतिवाद हेबाक चाही।

जगदीश्वर चतुर्वेदी कलकत्ता विश्वविद्यालय क हिन्दी विभाग मे प्रोफेसर छथि।

Tags: Biharmamtarail
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

27टा प्राचार्य क नियुक्ति पर फैसला सुरक्षित

Esamaad Epaper Website

अधिकारी ताकि रहल छथि संपत्तिक ब्योरा नहि देबाक बहाना

Esamaad Epaper Website

आइडिया अछि, प्रस्ताव नहि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि