पटना । मारीशस बिहार मे मेडिकल कालेज अस्पताल खोलबाक प्रस्ताव रखलक अछि। कालेज निर्माण क मार्ग प्रशस्त करबा लेल मारीशस क विज्ञान आ प्रौद्योगिकी मंत्री राजेश जीता राजधानी मे छथि। मेडिकल कालेज खोलबा पर सहमति जतेलाक बाद स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी कुमार चौबे हुनका एकरा लेल सीवान जिला क मैरवा मे कुष्ठ आश्रम क 27 एकड़ जमीन देबाक आश्वासन देलथि अछि। मारीशस क प्रथम राष्ट्रपति सर शिवसागर राम गुलाम क नाम पर कालेज क नामकरण होएत। स्वास्थ्य मंत्री श्री चौबे क निवास पर मारीशस क मंत्री कहला जे हुनकर देश एहि ठाम शैक्षणिक विकास मे भागीदारी लेल उत्सुक अछि। ओ कहला जे ओ सेहो आरा जिलाक कुरिया गामक मूल निवासी छथि। ओ कहला जे मारीशस क लोक बिहार कए विकास देखि काफी खुश अछि। बिहार क विकास मे भागिदारी लेल ओहि ठामक सरकार बिहार मे मेडिकल कालेज खोलबा लेल सहमति द देलक अछि। आब मैरवा क प्रस्ताव पर प्रधानमंत्री स चर्चा होएत। ओ कहला जे मारीशस सन छोट देश मे चारि-चारिटा मेडिकल कालेज अछि जखनकि पांचम मेडिकल कालेज खोलल जा रहल अछि। मंत्री कहला जे भारत सेहो मारीशस कए मदद द रहल अछि। भारत सरकार मारीशस मे आइआइटी खोलबाक प्रस्ताव देलक अछि। शीघ्र निर्माण क कार्य शुरू होएत।