पटना। चन्द्रगुप्त प्रबंध संस्थान, पटना (सीआईएमपी) आब विदेश मे सेहो अपन पहचान बनाउत। संस्थान मारीशस क छात्र कए मैनेजमेंट क शिक्षा देत। संस्थान क निदेशक डॉ बी मुकंददास कहलथि जे मारीशस मे संस्थान क सेंटर जल्द खुलत। एकरा लेल सबटा प्रक्रिया पूरा करि लेल गेल अछि।
डॉ दास कहलथि जे संस्थान बहुत कम समय मे देश क बेहतरीन प्रबंध संस्थान मे स्थान बना लेलक अछि। संस्थान क जूनियर फैकल्टी मेम्बर सुश्री मैत्रेयी एडवांस प्रोग्राम क लेल जर्मनी जा रहल छथि। सीआईएमपी देश क सबस नव प्रबंध संस्थान अछि जेकर सदस्य कए इ प्रतिष्ठित प्रशिक्षण लेबाक मौका भेटल अछि। मैनेजिंग ग्लोबल गवर्नेन्स नामक इ कार्यक्रम अगिला साल जनवरी स शुरू होयत। सुश्री मैत्रेयी छह माह तक चलयवाला एहि प्रशिक्षण कार्यक्रम मे हिस्सा लेबा लेल दिसम्बर क अंतिम सप्ताह मे जर्मनी रवाना हेती। निदेशक कहलथि जे अंतरराष्ट्रीय स्तर पर केेवल बीसटा प्रोफेशनल क चयन कैल गेल अछि।
निदेशक कहलथि जे सीआईएमपी छात्र कए उच्च कोटि क शिक्षा प्रदान करबा लेल कई योजना पूरा करि लेल गेल अछि आ कईटा पर काज चलि रहल अछि।