पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रत्नागिरी पर्वत क हवाई सर्वेक्षण केलथि अछि। रत्नागिरी पर्वत पर स्थित सम्राट अशोक क समय निर्मित एकटा प्राचीन स्तूप क बारे मे पुरातत्व विभाग इ शिकायत केने छल जे ओहि ठाम खुदाई भ रहल अछि। एहि शिकायत कए संज्ञान मे ल मुख्यमंत्री मानव संसाधन विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह आ एडीजी पुलिस मुख्यालय, पीके ठाकुर क संग रत्नागिरी पर्वत क सर्वेक्षण केलथि। एकर जांच क लेल अंजनी कुमार सिंह आ पीके ठाकुर क एकटा कमेटी बना देल गेल अछि ओ मुख्यमंत्री कए अपन रिपोर्ट देत।