मधुबनी। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन सेवा यात्रा क दौरान कालिदास क डीह देखबा लेल उच्चैठ पहुंचलाह। मुख्यमंत्री ओहि ठाम कालीदास स जुडल तथ्य क अवलोकन केलथि आ कालीदास स संबंधित दस्तावेजक अध्ययन सेहो केलथि। कालीदास क संबंध मे विस्तार स जानकारी लेलाक बाद मुख्यमंत्री कहला जे कालिदास पर शोध लेल हुनकर डीह कए उन्नयन कैल जाएत। मुख्यमंत्री एहि लेल संबंधित अधिकारी कए निर्देश देलथि आ जिला प्रशासन कए एकटा प्रोजेक्ट तैयार करबा लेल कहलथि। ओ कहला जे मिथिला मे बहुत एखन जगह अछि जेकर संबंध मे जानकारी क अभाव अछि। एखन धरि एहि पर गंभीर आ वैज्ञानिक स्तर पर शोध नहि भ सकल अछि।
ज्ञात हुए जे भाजपा विधायक विनोदानंद झा पिछला 8 दिसंबर कए बिहार विधानसभा में गैर सरकारी संकल्प क दौरान कालिदास डीह क उन्नयन आ एकरा पर्यटन स्थल क रूप में विकसित करबाक मामला उठेने छलाह। कालिदास पर मध्यप्रदेशक दावा कए खारिज करैत श्री झा कहला जे आब कालिदासक संबंध मे जे भ्रम अछि ओ खत्म कैल जाएत। श्री झा कहला जे एकर बहुत मजबूत प्रमाण अछि जे कालिदास क जन्मस्थान आ शिक्षा उच्चैठ मे भेल। श्री झा कहला जे उच्चैठ भगवतीक कृपा स ओ विद्वान भेलाह। हुनक जन्मस्थान उज्जैन कहब पूर्णत: गलत अछि। उच्चैठ में कालिदास क नाम स खतियान आ जमाबंदी तक भेटैत अछि। कालिदास 375 ई. स 415 ई. तक गुप्त सम्राट चन्द्रगुप्त विक्रमादित्य क दरबार क नवरत्न मे शामिल छलाह। मुदा एहि स इ प्रमाणित नहि होइत अछि जे ओ उज्जैन क छलाह। अपन विद्वता क बदौलत मिथिलाक लोग सदूर देश तक गेल आ नाम कमेलक अछि। श्री झा कहला जे ओ एहि पर गंभीर मंथन लेल यूजीसी स सेहो आग्रह केलथि अछि। श्री झा कहला जे एकर प्रमाण सेहो भेटैत अछि जे कालिदास कुमार संभवम क रचना मिथिलाक उच्चैठ मे केने छथि। जाहि दौरान ओ कुष्ठ स ग्रसित भ गेल छलाह। रघुवंशम् क रचना केलाक बाद ओ रोग मुक्त भेलाह। रघुवंशम लिखलाक बाद ओ विक्रमादित्य क निमंत्रण पर उज्जैन गेलाह। श्री झा कहला जे डीह क उन्नयन स मिथिला क संबंध मे बहुत रास आर गप बाहर आउत आ जे लोकोत्ति कहल जा रहल अछि ओकरा वैज्ञानिक प्रमाणिकता भेटत।
बहुत ख़ुशी के बात अछि जे कालिदासक डीह नितीश जी देखलाह !
आओर अहि स बेसी ख़ुशी ताहि दिन हैत जाहि दिन कालिदासक
डीह पूर्ण रुपे बाहरी पर्यटकक लेल आकर्सनक केंद्र बनि जायत !
जय माँ उचैठ भगवती , जय कालिदास !
(प्रेम कुमार झा सतलखा रहिकाबाद मधुबनी बिहार ८४७२३८)
Great move by Chief minister and thaks to Binod narayan jha ( mla). I woul just like to add one thing there there is a book written by sri lakshman jha named ” Kalidas-kanha aur kab” in which he tried his level best to proove that Kalids was born and brought up in mithila.
मुख्यमंत्री द्वारा देल गेल बकतव्य एवं भाजपा विधायक विनोदानंद झाक प्रयास सराहनीय अछि। मिथिलाक प्राचीन एवं अर्वाचीन गौरवसँ दुनियाँ परिचित अछि तेँ सरकारकेँ एहि दिशामे कदम उठैबामे अशोकर्य नहि होएबाक चाही।
Kumud Ji, Vidhyak Ji ke naam theek ka leb…vidhyak ji ke naam Binodanand Jha nai Shri Vinod Narayan Jha chhain. http://www.VNJha.in
bahut dhanyabad.
Best Regards,
Vibhay Jha
http://www.VKJha.in