मुजफ्फरपुर। सूबा क प्रधान डाकघर मे सेहो आब विदेशी मुद्रा विनिमय क सुविधा उपलब्ध होइत। एकरा लेल कवायद शुरू भ गेल अछि। पटना क बाद आब मुजफ्फरपुर मे सेहो सोना क सिक्क क बिक्री कएल जाइत। चीफ पोस्ट मास्टर, बिहार सर्किल डाक विभाग कमलेश्वर प्रसाद कहला जे पहिल चरण मे प्रधान डाकघर चिन्ह्ति कएल गेल अछि। एहि प्रधान डाकघर मे विदेशी मुद्रा विनियम क सुविधा देबाक लेल मुख्यालय कए प्रस्ताव भेज देल गेल अछि। श्री प्रसाद गुरुदिन क प्रमंडलीय कार्यालय डाक विभाग क वार्षिक निरीक्षण क क्रम में एहि ठाम पहुंचल छलाह। ओ कहल जे सूबा मे कुल 13 टा न्यायिक क्षेत्र मे फ्रैंकिंग मशीन लगाएल जाइत।