• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

मुजफ्फरपुर मे बनत औद्योगिक उपकरण

November 16, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

मुजफ्फरपुर । उत्तर बिहार क औद्योगिक इकाइयों क जरूरत क अनुसार विभिन्न तरह क उपकरण आ औजार आब मुजफ्फरपुर मे बनत। एहि संबंध मे प्रस्तावित मिनी टूल रूम कए केन्द्र स मंजूरी भेट गेल अछि। एहि संबंध में  इंडो-डेनिस टूल रूम (आईडीटीआर ) द्वारा सर्वे रिपोर्ट दिल्ली मुख्यालय कए पठा देल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे एखन धरि बिहार क औद्योगिक इकाइ सब लेल उपकरण आ औजार कोलकाता, झारखंड या फेर अन्य राज्य स आयात होएत छल। एहि ठाम उपकरण बनलाह स बिहार क उद्यमी कए काफी राहत होएत।
ज्ञात हुए जे मिनी टूल रूम क तहत औद्योगिक उपकरण क उत्पादन होएत अछि। इ एकटा प्रयोगशाला सह इकाई होएत अछि। मिनी टूल रूम मे कुशल कारीगरी क प्रशिक्षण देल जाइत अछि। उद्योग मे प्लांट चलेबा मे अबै वाला तकनीकी समस्या क निदान कैल जाइत अछि। एहि तरह स औद्योगिक विकास मे अवस्थापना संबंधी सुविधा मिनी टूल रूम स भेटत।
मिनी टूल रूम क स्थापना क लेल प्राथमिक अनुश्रवण समिति क गठन कैल जा चुकल अछि। इ समिति पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशिप मे मिनी टूल रूम क स्थापना क कवायद क प्रगति रिपोर्ट क जायजा लैत रहत। कमेटी मे सूक्ष्म, लघु, मध्यम उद्योग संस्थान, जिला उद्योग केन्द्र आ बिहार औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकार क अधिकारी सदस्य छथि।
मुजफ्फरपुर स्थित बेला औद्योगिक क्षेत्र मे मिनी टूल रूम क स्थापना होएत। एकरा लेल बिहार औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकार जमीन देलक अछि। उक्त टूल रूम क लागत 9 करोड़ आंकल जा रहल अछि।
आईडीटीआर क टीम पिछला किछु दिन पहिने बेला औद्योगिक क्षेत्र क भ्रमण करि एहि ठामक अधिकारी स गपशप केने छलाह। एहि संबंध मे सर्वे रिपोर्ट तैयार भ चुकल अछि। खबर अछि जे रिपोर्ट मुख्यालय, दिल्ली कए पठा देल गेल अछि।

Tags: Biharmithilamuzaffarpur
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

हम सब बना देलहुं सरकार-6

दिल्ली मे मनाउल गेल सामा चकेबा

Esamaad Epaper Website

के कतए स जीतल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि