मुजफ्फरपुर। शहर क लोक आब बेखौफ भ कए घर आ बाहर रहि सकैत छथि। जी हां, जिला प्रशासन एकर पुख्ता व्यवस्था करि रहल अछि। आब कोनो अपराधी वारदात कए अंजाम द कए प्रशासन क नजरि स नहि बचि सकैत अछि। पूरा शहर ‘क्लोज सर्किट कैमराÓ क नजरि मे रहत। जिला प्रशासन शहर क भीड़-भाड़ वाला इलाका आ प्रमुख चौराहा पर एकरा लगेबाक निर्णय लेलक अछि। एकर अलावा वोटिंग पार्क आ प्रमुख चौराहा पर हाई मास्ट लाइट आ शहर कए जाम स निजात देबा लेल प्रमुख सड़क कए वन-वे करबाक निर्णय सेहो लेल गेल अछि। इ निर्णय सब मुजफ्फरपुर शहर क विकास क मद्देनजर सौंदर्यीकरण, यातायात व्यवस्था आ अन्य समस्या लेल जिला परिषद क सभागार मे आयोजित प्रशासनिक बैठक मे लेल गेल। बैठक बाद डीएम आनन्द किशोर कहला जे बैठकक दौरान कुल 13टा महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल अछि। एहि मे शहर क प्रमुख चौराहा पर हाई मास्ट लाइट, सफाई व्यवस्था दुरुस्त करब, शहर मे नो इंट्री 9 बजे क जगह आब 10 बजे तक करब शामिल अछि। शहर स्थित जुब्बा सहनी पार्क, इंदिरा प्रियदर्शनी समेत अन्य पार्क कए आओर खूबसूरत बनेबाक संगहि शहर क प्रमुख चौराहा पर क्लोज सर्किट कैमरा लगाउल जाइत। ओ कहलथि जे सिकन्दरपुर मन आ अन्य पोखरि मे वोटिंग क व्यवस्था कराउल जाइत, नारायणपुर अनंत स एनएच-28 सड़क क मरम्मत कराउल जाइत आओर 20 नवम्बर तक आमगोला फ्लाई ओवर चालू करबाक निर्णय सेहो बैठक मे लेल गेल अछि।