• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

मेट्रो त नहि मुदा 2015 तक पटना मे शुरू भ जाएत मोनो रेल

August 7, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। महानगर बनबा लेल अग्रसर बिहारक राजधानी पटना मे सार्वजनिक यातायात कए आधुनिक आ सुलभ रूप देबाक योजना जमीन पर उतरबा लेल तैयार भ गेल अछि। देश मे मुंबई कए बाद पटना दोसर शहर बनत जाहि ठाम मोनो रेल दौड़त। योजना पर ठीक स काज हुए त 2015 धरि मोनो रेल बनि कए तैयार भ जाएत। बिहार सरकार एकरा लेल अपन सहमति द देने छल, रेलवे सेहो एकरा लेल अपन सहमति प्रदान करि देलक अछि। पटना मे मोनो रेल क निर्माणक जिम्मेदारी रेलवे क इकाई राइट्स टेक्नो इकोनोमिक फिजिबिलिटी स्टडी कए देल गेल अछि।
एहि संबंध मे अधिकारीक कहब अछि जे पटना क सड़क कए आओर बेसी चौड़ा करब संभव नहि अछि, जाहि स यातायातक गंभीर समस्या उत्पन्न भ सकैत अछि। एहन मे मोनो रेल कए पटना मे अनला स काफी हद त समस्या क निदान भ सकैत अछि। पटनाक किछु मुख्य सडक क रोड डिवाइडर पर पिलर बनाकए ओकर उपर मोनो रेल चलाएल जाएत। रेल मंत्रालय एकरा लेल पटना जंक्शन स पटना क मुख्य इलाक कए जोड़िनहार चारि टा सडक पर ट्रैक क निर्माण करबाक योजना कए अंतिम रूप द देलक अछि।
मोनो रेल फिलहाल अमेरिका, जर्मनी, जापान, मलेशिया सन देश मे काफी लोकप्रिय अछि। इ रेल कम लागत, प्रदूषण मु्क्त, हल्का आ तीव्र गति स चलैत अछि। एहि मामला मे पथ निर्माण मंत्री प्रेम कुमार कहला जे पटना क आबादी कए देखैत सरकार मोनो रेल परियोजना पर काम करब शुरु करि देलक अछि। रेलवे क सहमति भेटलाक बाद एकर निर्माण मे जे किछु बाधा छल से आब दूर भ गेल। कुमार कहला जे बिहार सरकार रेलवे स सचिवालय आ दीघा क बीच रेलवेक जमीन कए सडक बनेबा लेल मांगि रहल अछि, ओकर बदला मे सरकार रेलवे कए आन ठाम जमीन देबा लेल तैयार अछि, ओ जमीन भेट गेला स पटना कए एकटा मुख्य सडक भेट जाइत आ बेली रोड आ बोरिंग रोड पर यातायातक दबाव सेहो कम भ जाएत। कुमार कहला जे रेलवे ओहि जमीन कए देबा लेल विचार करि रहल अछि, एखन ओहि जमीन पर बिछल पटरी पर केवल एकटा सबारी गाडी चलैत अछि, जेकर कोनो उपयोगिता नहि अछि आ पटना-हाजीपुर रेल पुल बनलाक बाद इ रेल मार्ग ओनाओ बंद भ जाएत।

Tags: mono railpatna
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

23टा जिला मे खुलत न्यू बॉर्न यूनिट

सम्मान क रिक्शा चलेबाक आनंद

अल्पसंख्यक कए पटेबा मे लागल भाजपा

Comments 1

  1. सदन says:
    13 years ago

    ई त नीक गप्प. मोनो रेल और करगर होयत यदि आसपासक इलाका जेना हाजीपूर, दानापुर आदि सेहो के जोरल ज सकय.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कियो नहि उठेलक मिथिलाक विकासक नैतिक दायित्व

by संपादक
March 27, 2017
0

Read more

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि