• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मैथिलीक जीबटताक सम्मान अछि गौरीनाथक सम्मान

January 23, 2011
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

 भारतीय भाषा परिषद क युवा पुरस्कार एहि बेर मैथिली सेवी गौरीनाथ कए देल गेल। इ पुरस्कार पहिल बेर कोनो मैथिल सेवी कए भेटल अछि। अन्य भाषा क संग मैथिली मे सेहो इ पुरस्कार देबाक फैसला करनिहार परिषद विशेष धन्यवाद क पात्र अछि। मैथिली क लेल परिषद क युवा पुरस्कार 22 जनवरी, 2010 कए कोलकाता क भारतीय भाषा परिषद सभागार मे सुपरिचित कथाकार गौरीनाथ कए प्रदान कैल गेल। मैथिली मे पुरस्कार चयन कए ल कए हरदम विवाद रहल अछि, मुदा एहि चयन क जेतबा प्रशंसा कैल जाए ओ कम अछि। गौरीनाथ जीक काज पाथर पर दूभि रोपब स कम नहि अछि। गौरी नाथ अंतिका क माध्यम स मैथिली क लेल जे रचनात्मक संघर्ष केलथि ओ ककरो स नुकायल नहि अछि। गौरीनाथ जखन हंस क सहायक संपादक छलाह, तखने स ओ मैथिली त्रैमासिक अंतिका निकालि रहल छथि आ इ पत्रिका समय क चुनौति क संग विलक्षण तरीका स मुठभेड करैत निरंतरता रखने अछि। भारतीय भाषा परिषद क युवा पुरस्कार ओहि जीवटता आ रचनात्मक संघर्ष क सम्मान कहल जा सकैत अछि। परिषद के युवा पुरस्कार के पहले गौरीनाथ को नाच के बाहर आ मासुष क लेल हिंदी अकादमी, दिल्ली क कृति सम्मान आ पटना पुस्तक मे 2005 क विद्यापति पुरस्कार भेट चुकल अछि।
मैथिली गौरीनाथ क मातृभाषा छी आ मातृभाषा मे ओ केवल दस्तावेजी पत्रिका नहि निकालि रहल छथि बल्कि एहि भाषा मे रचनात्मक लेखन निरंतर जारी रखने छथि।
1969 मे सहरसा (आब सुपौल) क कालिकापुर गाम मे जनमल गौरीनाथ क आरंभिक शिक्षा गाम पर भेल। आइ अगर एकटा वैचारिक प्रकाशक आ लेखक क रूप मे हुनकर पहचान बनल अछि त एकर पाछु हुनकर हरदम अपन अतीत क संघर्ष कए मन पाडब अछि।
गौरीनाथ हिंदी मे सेहो एकटा त्रैमासिक बया नाम स निकालैत छथि। एकर संग ओ अंतिका प्रकाशन क बैनर तर स भारतीय भाषा क उत्कृट साहित्य सेहो प्रकाशित करि रहल छथि। बिना कोनो पैघ आर्थिक आधार कए हुनकर इ सफर लोक लेल प्रेरणादायक रहल अछि।

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे शुरू भेल इंजीनियरिंग कॉलेज खुलबाक सिलसिला

Esamaad Epaper Website

बिहार मे बढल औषधीय पौधाक व्यापार

Esamaad Epaper Website

नीतीश यूएस मे पढ़ेताह विकास क पाठ

Comments 6

  1. Ashutosh Kumar Thakur says:
    14 years ago

    Gaurinath jik Samman nishitrupen Maithilik samman achhi…aanha hunak kaj aa jeevanak chitran bes samichin kenau hain.Hunak jeevan yatra sangharsak path par ekhno agrashit achhi…jena kono aan Maithil bhashi ke hoit chhainh,tahan nik kajak uttar aab e santushtik gap je lok khas ka pathak varg me hunka lel samman bahut badhlaiy.

    Reply
  2. Prashant Mishra says:
    14 years ago

    Ham halahi me esamvadak bare me bujhnau hain,adyatan parhlak baad ham khushi san vibhor bha uthlaon,je kon ehan Maithil chhaith je atte nistha aa jata sa apan mai-pain ki sich rahal chhaith.Hamar subhkamna je esamvad naya aasman ke nishchit rupen phallibhut karai..Prashant Mishra,Madhubani/Bihar

    Reply
  3. Atul Kumar Thakur says:
    14 years ago

    Ham ekta pathakak rup me Gaurinath ji san puran parichit chhi aa samyak kram me vyaktigat rup sa seho chinhaliyainh,ekhan hunka sang ham ANTIKA ke sampadkiya mandal me seho chii;aai sabhak anbhav san kahi sakait ji aanhak likhal baat samuchit aa vivekshil aaichh.O Maithilik aadhar sthamv chhaith…han sangharsh ta karhe parai chhai,jan vicharak astap par samjhoutak aadat nai huai ta..badd nik lagal padhait.

    Reply
  4. Keshav Mishra says:
    14 years ago

    मैथिलीक लेल पुरस्‍कार शुरू करबाक लेल सब सं पहिने भारतीय भाषा परिषद, कोलकाताक एहि पहल केर स्‍वागत करबाक चाही…किऐ कि कुनू क्षेत्रीय भाषा (ओना मैथिली आब आठम अनुसूची मे शामिल भ’ गेल छै)मे ई पहिल शुरूआत थिक। संगहि ईहो जे निर्णय लेब’ मे पारदर्शिता बरतल गेल छै सेहो बड़ नीक बात। ओना ई सर्वविदित छै जे मैथिली लेल जं कुनू पुरस्‍कार देल गेल अछि तं ओ विवादास्‍पद रहबे टा करै छै…चाहे ओ पुरस्‍कार ”सरकारी”घराना सं होय आकि ”कुनू व्‍यक्तिक नाम पर” होइ।

    Reply
  5. काश्यप कमल says:
    14 years ago

    पुरस्कार के निर्णायकगण के धन्यवाद जे उचित निर्णय ल’ क’ गौरी भाई के चुनलन्हि, समस्त युवा मैथिल के तरफ स धन्यवाद।

    Reply
  6. Prakash Kr. Jha says:
    14 years ago

    Uprokt samachar hamra vilamb sa bhetal. Muda tahi sa ki Gaurinath ji ke bahut bahut badhaai.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि