• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

मैथिली मे शपथ लेनिहारक संख्या बढल, मुदा भोजपुरी क आवाज दबेला पर सब दुखी

December 5, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021

June 6, 2021

पटना। 15म विधानसभा मे मैथिली मे शपथ लेनिहार विधायकक संख्या बढल, मुदा कईटा मैथिल इलाकाक प्रतिनिधि हिंदी मे शपथ लेलथि। दोसर दिस उदय नारायण चौधरी कए भोजपुरी भाषा मे शपथ लेबा स रोकि देल गेल, जे समस्त बिहार क लेल दुखद रहल। ज्ञात हुए जे मैथिली कए आठम अनुसूची मे दर्जा नहि भेटलाक बावजूद सांसद भोगेंद्र झा भारतीय संसद मे मैथिली मे शपथ लेने छलाह। मैथिली समाज हरदम एहि मुद्दा पर भोजपुरीक संग रहल अछि। मुदा इतिहास गवाह अछि जे बिहार कए हिंदी प्रदेश बनेबा लेल राजनीतिक स्तर पर एहि दूनू मजबूत भाषाक बीच मतभेद पैदा करबाक प्रयास होइत रहल अछि। श्रीबाबूक राज मे एहि दूनू भाषा कए कमजोर करबा लेल राजभाषा परिषद कए बेजाप्ता दू लाख टकाक अनुदान सेहो देल गेल छल। आइ लाख जतनक बावजूद बिहारक इ दूनू आवाज बुलंद भ चुकल अछि। मैथिली संविधान मे अपन जगह बना चुकल अछि। भोजपुरी ओतबे हक रखैत अछि जेतबा एहि मे शामिल अन्य भाषा। आशा करैत छी अगिला विधानसभा मे बिहारक दूनू भाषा समान श्प स गुंजत। ओना एहि बेर विधानसभा मे खजौली विधानसभा क्षेत्र क विधायक अरुण शंकर प्रसाद, मधुबनी क विधायक रामदेव महतो, बेनीपट्टी क विधायक विनोद नारायण झा, झंझारपुर क विधायक नीतीश मिश्र सहित कई गोटे बिहारक भाषा मैथिली मे शपथ ल माइक कर्ज चुकेबाक काज केलथि। अंतरराष्टीय मैथिली परिषद दिस स डॉ धनाकर ठाकुर एहि लेल विधायक सब कए धन्यवाद देलथि अछि आ आशा केलथि अछि जे आगू एहि प्रकारक विधायक क संख्या आओर बढत।

Tags: bhojpuriBiharmaithili
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Next Post
Esamaad Epaper Website

चरिटा सड़क क मामला बाट पर

Esamaad Epaper Website

बुद्ध सर्किट क रोड मैप तैयार करबा लेल पटना पहुंचल चीन क टूर आपरेटर

Esamaad Epaper Website

सरकार क फ़रमान, दिल्ली स पहिने गामक भ्रमण करथ‍ि अफ़सर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिजली क ग्रिड फेल, सरकार पास!

by संपादक
August 7, 2012
0
Esamaad Epaper Website

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि