बिहार। बिहार प्रदेश कांग्रेस मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए मैथिली विरोधी हेबाक आरोप लगेलक अछि। कांग्रेस प्रदेश कांग्रेस मीडिया विभाग के अध्यक्ष प्रेमचंद मिश्र कहला जे आब जखन विधानसभा क चुनाव निकट आबि गेल अछि त नीतीश कुमार कए मैथिली आओर विद्यापति क सम्मान क चिंता भेलन्हि अछि। नीतीशक मिथिला दौरा कए ढ़कोसला कहैत मिश्र कहला जे नीतीश कए इ बतेबाक चाही जे बिहार विद्यालय परीक्षा समिति क पाठच्यक्रम मे मातृभाषा क रूप मे शामिल मैथिली कए हटाकए ओकरा ऐच्छिक विषय क सूची किया राखल गेल अछि। की इ संविधान क अष्टम सूची मे शामिल मैथिली क संग अन्याय नहि अछि। मिश्र कहला नीतीश कुमार अप्रैल, 2008 मे हिन्दी आ उर्दू क संग बांग्ला कए मातृभाषा क रूप मे शामिल करि लेलथि मुदा मैथिली कए शामिल करबा स इनकार करि देलथि। बांग्ला कए मातृभाषा क रूप मे शामिल करबा पर कांग्रेस कए कोनो आपत्ति नहि अछि मुदा नीतीश कुमार कए इ बुझबाक चाही जे बिहार मे बांग्ला बजनिहार लोक स कहीं अधिक मैथिलीभाषी रहैत अछि आ इ बिहारक एकटा प्रमुख भाषा छी। कांग्रेस नेता कहला जे नीतीश गुपचुप तरीका स बिना घोषणा करने जाहि प्रकार स लोक सेवा आयोग क पाठच्यक्रम मे शामिल मैथिली कए स्कूली शिक्षा क पाठच्यक्रम स हटेला अछि ओ मैथिली क प्रति साजिश आ मैथिली कए लकए हुनकर कुंठा आ पूर्वाग्रह कए दर्शा रहल अछि।