मैथिली साहित्य महासभा क कार्यकारिणी गठित
मैथिली साहित्यक वर्तमान परिदपरिदृष्य पर होएत द्वितीय वार्षिक संगोष्ठी
नई दिल्ली । मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम), दिल्लीक कार्यकारिणी गठित भेल । मैसाम दिस स जारी कैल गेल विज्ञप्तिक मोताबिक, साल 2016 – 18 हेतु 14 सदस्यीय कार्यकारिणी क गठन कैल गेल अछि।
एहि कार्यकारिणि मे सुपरिचित मैथिल अभियानी श्री अमर नाथ झाजी कए मैसामक अध्यक्ष बनाओल गेल अछि ओत्तहि, उपाध्यक्ष पद श्रीमती सविता झा खान, श्री हेमंत कुमार झा, श्री विजय कुमार झा वा श्री अक्षय कुमार चौधरीक देल गेल अछि। श्री संजीव कुमार सिन्हा कए महासचिव आ श्री हितेंद्र कुमार गुप्ता, श्री संतोष सिंह राठौड़, श्री विनीत कुमार उत्पल आ श्री कंत शरण कए सचिवक दायित्व प्रदान कयल गेल अछि । श्री अमित कुमार कोषाध्यक्ष, श्रीमती रंजना झा सह कोषाध्यक्ष, श्री विमलजी मिश्र कार्यालय सचिव आ श्री श्रीचंद कामत सह कार्यालय सचिव बनाओल गेलाह अछि।
विदित हो जे पिछला साल अंतर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवस पर 21 फरवरी कए नई दिल्ली मे मैथिली साहित्य महासभाक गठन कैल गेल छल, जेकर उद्देश्य अछि मैथिली पोथीक प्रकाशन, सम्मान अर्पण ओ विचार-गोष्ठीक माध्यम सॅ मैथिली साहित्यक प्रति अभिरुचि उत्पन्न करैत मैथिलक बीच सामूहिक चेतना जागृत केनाई अछि ।
एहि विषय पर आर जानकारी दैत संस्था क महासचिव श्री संजीव सिन्हा बतोलथि कि, पिछला साल जेंका मैथिली साहित्यक वर्तमान परिदृष्य विषय पर मैसास अपन द्वितीय संगोष्ठी क आयोजन करत । एहि आयोजनक अध्यक्षता श्री रविन्द्र नाथ ठाकुर करत । 21 फरवरी 2016 क सांझ साढ़े तीन बजे से डिप्टी स्पीकर हाॅल, कंस्टींच्यूशन क्लब, नई दिल्ली मे आयोजित होएत । एहि आयोजन क अतिथि साहित्यकार गंगेश गुंजन, देवशंकर नवीन, डाॅ मंजर सुलेमान, डाॅ पंकज पराशर, आ श्रीमति निवेदिता मिश्रा झा हेताह ।