राजगीर ( नालंदा) । राजगीर क धरती क गर्भ मे बेशकीमती द्रव आ पेट्रो-केमिकल हेबाक संभावना अछि। बिहार सरकार क खनन भूतत्व विभाग क प्रधान सचिव विजय कुमार वर्मा अपन दल-बल क संग राजगीर क कईटा स्थान कए चिह्नित केलथि अछि। एहिमे सोना,चांदी आ केरोसिन आ पेट्रोलियम पदार्थ हेबाक संकेत भेटल अछि, ओकरा लेल खुदाई करेबाक उद्देश्य स संभावना क बाट ताकल जा रहल अछि। एएसआइ क अनुसार आयुध निर्माणी क आसपास सिथौरा मे सोना आ कुंड क्षेत्र क जरा देवी मंदिर क पास केरोसिन आ पेट्रोलियम पदार्थ भेटबाक संभावना अछि। एकरा लेल खनन आ भूतत्व विभाग क तकनीकी इंजीनियर आओर भू वैज्ञानिक उक्त स्थल कए जांच परख करि रहल छथि।
बिहार बंटवारा क बाद शेष बिहार मे खनिज क मामला मे गरीब अछि, आब सोना आ पेट्रोलियम पदार्थ क संभावित संकेत स बिहार संपन्नता दिस बढि सकैत अछि। गया क मानपुर आ बथानी कए चिह्नित कैल गेल अछि। बथानी मे काज शुरू अछि। मानपुर अगिला सत्र मे। राजगीर क इतिहास मे इ पहिल मौका अछि जखन एहि धरती पर सेहो प्रचुर मात्रा मे सोना भेटबाक उम्मद जगल अछि। इ बिहार लेल खुशखबरी आ स्वर्णिम काल एबाक संदेश अछि। राज्य आ केंद्र सरकार क खनन आ भूतत्व विभाग एहि ठाम कैंप कए मिशन पर काज करि रहल अछि। जल्द बिहार क किस्मत खुलबाक समाद भेटि सकैत अछि। विज्ञान विशेषज्ञ आब एहि ठाम देखताह जे एहि ठाम स निकलि रहल खनिज क क्वालिटी आ मात्रा केतबा आ केहन अछि। खनन भूतत्व विभाग क प्रधान सचिव क संग वैज्ञानिक एलपी साहू, निदेशक खनन विभाग, पटना आनंद प्रकाश निदेशक मुख्यालय मो मंसूर अहमद, वरीय भू वैज्ञानिक मो अब्दुल भू वैज्ञानिक दल मे शामिल छथि।