पटना। राज्यकर्मी आ पेंशनधारी कए राज्य सरकार काली पूजा आ छठि पर्व पर सनेस देबाक घोषणा करै जा रहल अछि। सरकार अवकाश प्राप्त कर्मी कए आब एक सौ क बदला मे दू सौ टका चिकित्सा भत्ता देबाक तैयारी मे अछि। राज्यकर्मी लेल सेहो ग्रैच्युटी क सीमा बढ़कए 10 लाख टका करबाक योजना तैयार अछि। राज्यकर्मी क लेल ग्रैच्युटी क अधिकतम सीमा साढ़े तीन लाख छल। छठम वेतन आयोग क अनुशंसा क बाद राज्य सरकार एक सितम्बर 2009 क प्रभाव स ग्रैच्युटी क अधिकतम सीमा बढ़ा कए 10 लाख टका केलक। एक जनवरी 2006 क प्रभाव स वेतन पुनरीक्षण कैल गेल अछि। आर्थिक लाभ एक अप्रैल 2007 क प्रभाव स भेट रहल अछि। ओना बिना कोनो गलती कए अवकाश ग्रहण करनिहार अधिकारी कर्मचारी कए ग्रैच्युटी क मामला मे नुकसान भेल। एकटा दैनिक मे छपल सूचनाक अनुसार सरकार आब एक अप्रैल 2007 क प्रभाव स अधिकतम 10 लाख टका ग्रैच्युटी क लाभ देबाक तैयारी मे अछि। एहि स करीब एक लाख कर्मी कए फायदा भेटत। मंत्रिपरिषद क मुहर लेल एकरा अगिला बैसार मे राहल जाएत। बैसार में महंगाई भत्ता क अतिरिक्त 7 फीसदी देबाक सेहो गप अछि। कर्मचारी आ पेंशनधारी दूनू कए एहि स फायदा होएत। दोसर दिस काली पूजा आ छठि कए देखैत सरकार अपन कर्मचारी कए 24 अक्टूबर स वेतन भुगतान क निर्देश जारी केलक अछि। ध्यान रहे जे 26 अक्टूबर कए काली पूजा आ दीपावली अछि आ एक सप्ताह बाद छठ।