• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

राज्य मे जे भ रहल अछि ओ ठीक नहि: सिद्दीकी

February 24, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना । बिहार विधानसभा क बजट सत्र अपना आप मे एकटा नव तरहक लागि रहल अछि। सत्ता आ विपक्षक बीच गंभीर मतभेद आ जबरदस्त आरोपक बावजूद पहिने सन हंगामा नहि। सत्ता पक्ष जे कहलक विपक्ष शांति स सुनि रहल अछि आ जखन विपक्ष बजबा लेल तैयार भेल त सत्ता पक्ष ओकरा सुनबा लेल खामोश भ सुनैत अछि। कम संख्या हेबाक बावजूद एहि सदन मे नेता प्रतिपक्षक रूप मे सिद्दीकी जखन बजलाह अछि, गंभीरता आ शालीनता स अपन गप रखलाह अछि, दोसर दिस सत्ता पक्ष स सेहो बेवजह टोटा-टाकी नहि देखबा मे आयल अछि। एहने किछु उदाहरण राज्यपाल क अभिभाषण पर नेता प्रतिपक्ष अब्दुलबारी सिद्दीकी क बजबा काल सेहो देखल गेल। उम्मीद क अनुरूप सिद्दीकी क भाषण जबरदस्त आ जिम्मेदार विपक्षक प्रस्तुति कहल जा सकैत अछि। जा धरि ओ बजलाह पूरा सदन खामोस भ कए सिद्दीकी क गप सूनैत रहल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो एहि दौरान सदन मे बैसल छलाह आ एक एक टा आरोप कए सुनैत छलाह। राज्य मे कानून व्यवस्था स लकए राज्य सरकार द्वारा अधिकारीक चयन मे भ रहल टका आ जाति क नंगा खेल खेलबाक एक एकटा तथ्य सदन क सामने रखैत सिद्दीकी सीधा मुख्यमंत्री कए इ कहैत रहलाह जे राज्य मे सब किछु साफ नहि अछि।
भ्रष्टाचार कए लकए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क आबि रहल बयान पर चुटकी लैत सिद्दीकी कहला जे आन कोनो काज करबा स पूर्व सरकार कए राजधानी पटना क एपार्टमेंट खरीदनिहार लोकक सूची सार्वजनिक करि देबाक चाही। 75 प्रतिशत ऐपार्टमेंट राज्यक भ्रष्ट अधिकारी छी से साबित भ जाएत, जे राज्य क जनता क हकमारी करि मुख्यमंत्री क आंखिक तारा बनल छथि।
नेता प्रतिपक्ष कहला जे एक दिस मुख्यमंत्री राज्यक जनता स जाति धर्म छोडि बिहारी बनबाक अपील करि रहल छथि आ दोसर दिस अपने जाति स निकलबाक कोनो प्रयास नहि करि रहल छथि। आखिर मुख्यमंत्री तमाम नियम कायद कए ताख पर राखि कए अपन जातिक आइएएस कए पटनाक डीएम किया बना रहल छथि। ओ पूछलाह जे आखिर एहन आइएएस कए पटना क डीएम किया बनाउल गेल जे दोसर स्टेट कैंडर क अछि। ओ पटनाक एसएसपी क नियुक्ति पर सेहो सवाल उठेलाह, ओ कहला जे जम्मू काश्मीर मे गैरजिम्मेदार घोषित अधिकारी कए कोना एहि पद पर नियुक्त करि देल गेल। पिछला छह माह पहिने बिहार डिपटेशन पर आयल आ बिहार क कोनो जिला क पुलिस कप्तान क रूप मे कोनो अनुभव नहि रखनिहार अधिकारी कए पटना क सीनियर एसएसपी बना देल गेल अछि कियाकि ओ नीतीश कुमार क गृह जिला क रहनिहार छथि। भ्रष्टाचार कए लकए कईटा उदाहरण देलथि जाहि मे समाजकल्याण स जुड़ल योजना कए कौन तरह क अधिकारी अपन कनिया बच्चा क नाम पर एनजीओ खोलिकए लूट मचा रहल छथि। सिद्दीकी एकर सूची सेहो सदन क पटल पर रखलाह। आब देखबाक चाही जे सरकार विपक्षक एहि सवाल आ सूची पर की कार्रवाई करैत अछि।

Tags: Biharअब्दुलबारी सिद्दीकी
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

सेना सेवा कोर कए बिहार स नहि हटाउल जाए: रघुवंश

Esamaad Epaper Website

एक बेर फेर गोवा स आगू बिहार

Esamaad Epaper Website

बिहार कए भेटल लाबा-दुआ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

by संपादक
February 23, 2019
1

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि