पटना। आब दिल्ली आ मुंबई क भांति पटना मे सेहो लोक-वेद देर राति कए शॉपिंग क लेल निकलि सकैत छथि। सरकार राज्य मे राति 11 बजे तक बाजार खोलबाकयोजना बना रहल अछि। एकरा लेल नियम कायदा बनेबाक काज संपन्न भ चुकल अछि। सरकार एकरा लेल अलग स नाइट मार्केट बनेबाक योजना तैयार केलक अछि। सरकार क एहि फैसला स कारोबारी गदगद छथि।
एहि संबंध मे उप-मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला, देश क किछु शहर क भांति पटना मे सेहो नाइट मार्केट्स पर सरकार काफी गंभीरता स विचार करि रहल अछि। एहि बाजार मे दुकान सांझ खन खुलत आ देर राति तक खुलल रहत। ओ कहला जे आम दुकान कए बंद करबाक अवधि सेहो राति के 10 बजे स बढ़ा कए 11 बजे कैल जा रहल अछि।
कारोबारी सरकारक एहि फैसला स काफी खुश छथि। हुनकर कहन्ब अछि जे गरमीक दिन मे कारोबार कए काफी फायदा भेटत। ज्यादातर लोक सांझ मे बाजारक रुख करैत छथि।