• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

रेड लेबल क विज्ञापन आ मैथिलक विवाह

February 15, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021


समस्तीपुर । संस्कृति मरैत नहि अछि। समस्तीपुर मे भेल एकटा घटना इ साबित करि देलक। किछु साल पहिने रेड लेबल चाहक एकटाविज्ञापन आयल छल- ‘तमिल लोगों की शादी मे नाच-गाना नहीं होता है।Ó बिहार पिछला किछु दशक स सांस्कृतिक रूप स पंजाबी संस्कृति कए आत्मसार करि लेबाक प्रयास मे अपन पहचान गवां चुकल अछि। एहन मे विवाहक दौरान नाच-गाना, शराब, मौगी बरियाती आदि एहन परिपाटी आम भ गेल जे पहिने एहि क्षेत्र मे नहि होइत छल। गरीबी आ पलायन स जेना पूरा समाज अपन संस्कृति कए ल कए ग्लानी मे डूबि गेल छल। कोई इ कहबाकहिम्मत नहि जुटा पाबि रहलछल जे तमिल नहि मैथिल लोकक विवाह मे सेहो नाच-गाना नहि होइत अछि। मुदा समस्तीपुर क एकटा ‘विदेहीÓ इ कहबाक हिम्मत टा नहि केेलथि, बल्कि अपन संगी संग नचनिहार वर स विवाह करबा स मना करि देलथि। पेशा स होम्योपैथिक डॉक्टर रवि कुमार वर्ष 2005 स बैंक मे काज करिनिहारि सरिता कुमारी स प्रेम करैत छलाह। दूनू परिवारक रजामंदी स विवाह तय भेल, मुदा आधुनिक बनबाकचक्कर मे रवि स एकटा गलती भ गेल, ओ मैथिल क बजाए पंजाबी जेकां विवाह करबा लेल सरिताक दुहारि पर आबि गेलाह। जाहि स ओ अपन प्रेमिका स दूर भ गेलाह।
बरियाती जखन सरिता क दुहारि लागल, त रवि दोस्तक संग नाचए लगलाह। एकर सूचना सरिता तक पहुंचल। इ दृश्य नहि त राम सन छल, न महादेव सन। अपन विवाह मे नहि सरिता क बाप नाचल छलथि आ नहि रविक बापक नचबाक कोनो चर्चा अछि। तखन शराब मे डूबल रवि सरिता संस्कारहीन युवकक अलावा किछु नहि रहल वरमाला क दौरान रविक सामना केलाक उपरांत सरिताक फैसला अटल भ गेल। रवि जहिना सरिता क मांग मे सेनुर दिए लागल सरिता सेनुर लगेबा स मना करि देलथि आ कहलथि जे हमरा मैथिल संस्कार वाला वर चाही, आधुनिकताक नाम पर संस्कारहीन वर हमरा नामंजूर अछि।
अपन बेटीकफैसला पर गर्व करैत सरिता क पिता कहैत छथि जे लड़का बरियाती संग शराब क नशा मे नचैत अछि। एहन लड़का क संग बेटी क विवाह कोना कैल जा सकैत अछि। सरिता आ हुनक पिता कए रवि क पिता बुझेबाक बर प्रयास केलथि, मुदा कोनो फायदा नहि भेल। रवि समेत पूर बरियाती वापस लौट गेल। आशा अछि एहि घटनाक बाद लोक अपन संस्कृति कए अपना मैथिल बनि विवाह करबा लेल प्रेरित भ सकत। ओ दिन दूर नहि जहिया कोनो चाह क विज्ञापन मे सुनबा मे भेटत,’मैथिलों के विवाह मे नाच-गाना नहि होता।Ó त भ जाए एहि गप पर एक लोटा चाह…..

Tags: mithilasamastipur
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

प्रयाग मे लघु राज्य क सार्थकता पर मंथन

युवा भाजपाक दूटा रूप

आउ देखू कौटिल्य क देस

Comments 2

  1. madan kumar thakur says:
    13 years ago

    सरिता जी बहुत निक केलैथि , ओ अपन जीवन से निक अपन संस्कृति के मन देलैथि , आखिर हम मैथिल छी

    Reply
  2. दयाकांत says:
    13 years ago

    Sarita Jee Bahut Bahut dhanyabad Aha maithil aur mithilak lel aadarsh chhee
    Ahak dosar vaidehi chee ahak prashansa karwak lel hamra lag sabd nahi achhi
    Jai Mithila…. Jai Maithili

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

by संपादक
February 23, 2019
1

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि