पटना। देलख जइत अछि जे जखन बिहार जेबाक कोनो गप होइत अछि त लोक रेलवे टा पर चर्चा कए सिमित करि लैत अछि। बहुत कम लोक एकरा लेल वायु सेवा पर ध्यान दैत अछि। पिछला पांच-सात साल मे बिहार जेबा लेल हवाई जहाज क यात्री क संख्या काफी बढल अछि, मुदा ओहि अनुपात मे सेवाक बढोतरी नहि भ सकल अछि। एकर खामियाजा बिहार लोग भुगत रहल छथि। होली क अवसर पर बिहार जेबा लेल जतए रेलवे जगहक अभाव देखा रहल अछि, ओहि ठाम हवाई जहाज स जेबा लेल लोक कए चारि गुना बेसी भाडा चुकेबा लेल मजबूर कैल जा रहल अछि। पिछला दीवाली मे सेहो एयरलाइंस सब हवाई किराया मे खासा बढ़ोतरी केने छल आ खूब टका बनेन छल। एक बेर फेर होली पर सेहो भाडा बढा देल गेल अछि। हालांकि सरकार किराया क बारे मे एकटा नीति बना रखने अछि, मुदा एयरलाइंस ओकर नियम कए धज्जि उड़ा रहल अछि।
एहि समय किराया मे देखल जाए त सबस बेसी बढ़ोतरी बिहार क्षेत्र मे भेल अछि, कारण साफ अछि बिहार जेबा लेल यात्री बेसी छथि आ सेवा कम। जानकार क कहब अछि जे राजधानी पटना क किराया चार गुना तक बढ़ेबाक पाछु सरकारक आंखि मुनबाक नीति अछि। मुंबई-पटना, दिल्ली-पटना क ज्यादातर टिकट बिका चुकल अछि आओर जे टिकट बचल अछि ओकर रेट कई गुना बढ़ि गेल अछि। एहि गपक अंदाजा एहि स लगाउल जा सकैत अछि जे मुंबई-पटना रूट क किराया बढ़िकए 27 हजार टका स बेसी भ चुकल अछि। हवाई कंपनी क किराया पर नज़रि रखबा लेल सरकार डीजीसीए कए प्रधिकृत केने अछि। डीजीसीए एखन एखन धरि एहि संबंध मे कोनो डेग नहि उठेलक अछि। दीपावली मे सरकार कहने छल जे ओ एना किराया मनमाना ढंग स नहि बढ़ए देत, मुदा भ किछु नहि रहल अछि। ओना प्राइवेट एयरलाइंस क एक प्रवक्ता क दावा अछि जे ओ सब मनमाना ढ़ग स कोनो किराया नहि बढ़ेलथि अछि, जे बढल अछि ओ उचित आ कानूनक दायरा मे अछि। एकर बावजूद बिहार लेल सबहक ध्यान मे केवल रेलवे क भीड आबि रहल अछि।