• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

लक्ष्‍य स तिगुना रफ्तार स बनि रहल अछि बिहार मे ग्रामीण सड़क

November 4, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। सडक क मामला मे बिहार जेतबा बदनाम छल, आइ अपन सउक पर ओतबे गुमान करि रहल अछि। जाहि रफ्तार स बिहारक सउक पर गाडी दौड रहल अछि ओहि स कनिको कम रफ्तार स सडकक निर्माण नहि भ रहल अछि। ग्रामीण कार्य विभाग एखन रोजाना 30.73 किमी प्रतिदन सडक बना रहल अछि। इ सडक न्यूनतम आवश्यकता कार्यक्रम, नाबार्ड संपोषित, मुख्यमंत्री ग्राम सड़क योजना, अनुसूचित जाति क लेल अंगीभूत योजना, आपकी सरकार आपके द्वार आओर प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना क तहत बनि रहल अछि। गौरतलब अछि जे विभिन्‍न योजनाक तहत बनि रहल एहि सडक लेल लक्ष्‍य केवल 12 किमी प्रतिदिन निर्माणक राखल गेल अछि। यानि लक्ष्‍य स लगभग दोगुना रफ्तार स बिहार मे ग्रामीण सडकक निर्माण भ रहल अछि। पिछला साल (2009-10)क आंकडा कहैत अछि जे प्रतिदिन नौ किलोमीटर ग्रामीण सडक बिहार मे बनैत छल, जखन कि ताजा आंकडा (अप्रैल स सितम्बर 2011 तक) बता रहल अछि जे बिहार मे प्रतिदिन 21 किमी ग्रामीण सडक बनि रहल अछि। पिछला सालक तुलना मे इ रफ्तार लगभग तिगुना अछि। विभाग क कहब अछि जे ओ एहि वित्तीय वर्ष मे 30 किमी प्रतिदिन निर्माण क रिकार्ड बनेबा लेल तैयार अछि जे राज्य क आधारभूत संरचना विकास क दिशा मे उल्लेखनीय योगदान देत। केन्द्र सरकार क आंकडा पर नजरि दी त साफ अछि जे प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना क तहत 2006-07 मे प्रतिदिन 4 किमी, 2007-08 मे 5 किमी, 2008-09 मे 8 किमी आओर 2009-10 मे 9 किमी सड़क बनि सकल छल।
केन्द्रीय ग्रामीण विकास मंत्रालय क ताजा आंकडा पर गौर करि त साफ होइत अछि जे राज्य मे 2000-01 आओर 2005-06 यानि पिछला पांच सालक तुलना मे 2006-07 आओर 2009-10, अर्थात मौजूदा तीन साल क बीच 6632टा सड़क बेसी बनल अछि, जेकर कुल लंबाई 26992 किमी अछि। मुदा सडकक मामला मे पछुआयल बिहार लेल इ आंकडा बेहतर स्थिति कहल जा सकैत अछि, मुदा तस्वीर एखनो उत्साहव‌र्द्धक नहि अछि।
एकर कारण इ अछि जे पिछला तीन साल मे प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना मे केन्द्र सरकार क रुख उदासीन रहल। कईटा सड़कक चयन करीब ठप रहल आ करीब 9 हजार किमी सड़क क विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन केन्द्र क समक्ष लंबित रहल। केन्द्र ग्रामीण कार्य विभाग क कोर नेट वर्क कए सेहो मंजूरी नहि देलक। ओना जयराम रमेश एहि मामला कए गंभीरता स लेलथि अदि आ बहुत रास गतिरोध समाप्त भ गेल अछि, जाहि मे ग्रामीण कार्य विभाग क कोर नेटवर्क कए मंजूरी सेहो शामिल अछि। एखन मे विभागक अधिकारीक कहब अछि जे पिछला आंकडा मे कम रफ्तार लेल कई प्रकारक रुकावट पैघ कारण रहल अछि।
2000-01 स 2005-06 मे 1387 सड़क बनबाक छल, जेकर लंबाई 5202 किमी छल। जखनकि 1613 किमी लंबा केवल 648टा सड़क बनल। 2006- 07 स 2000-10 क बीच 6970 किमी तक 1199 सड़क बनि सकल जखनकि 8019 सड़क बनबाक छल, जेकर लंबाई 320194 किमी होइत छल। प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना क तहत विभाग 878.25 करोड़ खर्च करैत कुल 562.31 किमी सड़क बनवा सकल अछि।

Tags: Biharroad
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

कुसियार क रिकवरी दर बढत

Esamaad Epaper Website

लौकहा स सतीश भेला जदयू उम्मीदवार

Esamaad Epaper Website

ईको फ्रेंडली बनत टाइगर रिजर्व

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि