• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

लग्‍नक मलेमास खत्‍म करत बलुआहा घाट पुल

July 23, 2011
in समाचार
A A
1
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

कुमार आशीष
सहरसा।
मैथिलीक चर्चित कवि रमेशक पांति ‘होना छलै पुनर्वास देखहो बिनाश भए गेलैए, ढहूडि भाई एबरि लगनो लगलई त मलेमास भए गेलै।’ सटिक बैसेत अछि कोसी क कारण स दू भाग मे बंटल मिथिलाक लोकक संदर्भ मे। असल मे जखन कोसी बांध क नींव देल गेल छल त रंग बिरंगक सपना देखाउल गेल छल एहि ठाम क लोक कए मुदा कालांतर मे किछु नहि भ सकल। जे भेल से इ जे अदौ स एक रहल मिथिला दू भाग मे बंटि गेल। आवागमनक कठिनाई कोनो नव संबंध हेबा मे बाधा बनि कए ठार भ गेल फलत: आदि काल स होइत आबि रहल एहि पार ओहि पारक वैवाहिक संबंधक परंपरा ठमकि गेल आ जे किछु संबंध पहिने स छल ओकरो आन जान बाधित भ गेल।
एम्‍हर आबि कए वर्तमान सरकारक ध्‍यान एहि दिस गेल जेकर बाद सहरसा जिला क बलुआहा आ दरभंगा जिलाक कुशेश्‍वरस्‍थान कए पुल स जोडबाक योजना माटि पर आयल। ज्ञात हुए जे सहरसा जिलान्तर्गत महिषी प्रखंड मुख्यालय स पांच किमी उत्तर बलुवाहा घाट आ गंडौल क बीच पहुंच पथ सहित उच्च स्तरीय आरसीसी पुल लेल बिहार राज्‍य पुल निर्माण निगम एसपी सिंगला कंस्ट्रक्सन प्राइवेट लिमिटेड कं (हरियाणा) कए अभिकर्ता बनौलक अछि जेकर प्‍लांट सहरसा मे एखन आकर्षनक केंद्र बनल अछि। करीब एक हजार मजदूर दिन राति खटि रहल अछि एहि दू भाग मे बंटल मिथिला कए जोडबा लेल। मुख्‍य पुलक लंबाई दू किमी होएत आ चौड़ाई 15.5 मी होएत। एकर दूनू कात डेढ़ मी क पगडंडी सेहो होएत। एहि पुलक अतिरिक्‍त करीब दर्जन भरि छोट छोट पुल सेहो बनि रहल अछि आ संगहि एप्रोच सडक सेहो। पांच सौ करोड टकाक एहि परियोजना कए वर्ष 2013 मे पूरा करबाक लक्ष्‍य राखल गेल अछि। प्राक्कलन क मुताबिक मुख्य सेतु मे कुल 41टा पाया क निर्माण हेबाक अछि जाहि मे स 38टा क निर्माण कार्य भ रहल अछि। शेष पांचटा क फाउंडेशन कैल जा रहल अछि। प्रोजेक्ट प्रभारी वरीय अभियंता कुमार रंजन कहला जे सबटा पायाक वाटर लेबल स 46 मी नीचा तक ल जेबाक काज भ रहल अछि। हुनक कहब अछि जे राजेंद्र सेतु आ डुमरी पुल कए क्षतिग्रस्त हेबाक कारण निर्माण सामग्री पहुंचाबा मे काफी कठिनाई भ रहल अछि। दोसर रास्‍ता स मेटेरियल अनबा मे समय आ खर्च दूनू बेसी लागि रहल अछि जेकर कारण स कोसी पर सेतु बनबा क गति धीमा अछि। मुदा एहि मिशन मे लागल 12टा अभियंता आ मजदूर क जज्‍बा देख कए लगैत अछि जे कोसी क प्रलयंकारी धार कए सेहो इ सब कुंद करि देताह। कोसी नदी क बढैत जलस्‍तर स अस्‍थायी पुल क एप्रोच बहि गेल अछि जेकर कारण स पुल निर्माण क सामग्री नहि पहुंच पाबि रहल अछि मुदा चिंता क गप नहि मजदूरक जीवटता देखि कए लगैत अछि जे अल्‍प विराम क बाद कार्य पुन शुरू होएत।
निश्चित रूप स एहि पुल आ पुलिया सबहक निर्माणक बाद एक बेर फेर स पूबारि आ पछबारि पार एक भ सकत आ रोटी- बेटीक पुरान संबंध क नवीकरण त हेबे करत संगहि नव संबंधक बाट सेहो खुलत। वैवाहिक सिंद्धांत लिखेबाक लेल आब सहरसाक लोक कए मधुबनी एबा मे कठिनाई नहि होएत। दोसर दिस सराईगढ क रेल पुल आ सडक पुल अपन निर्माणक अंतिम चरण मे अछि। आश कैल जाइत अछि जे चार लेन वाला इस्‍ट-वेस्‍ट कारिडोर क पुल अगिला सालक अंत तक चालू भ जाएत। जखन कि रेल पुल सेहो लगभग बनि कए तैयार अछि मुदा चालू हेबा मे एकटा मुख्‍य बाधा अछि सहरसा आ सकरी स आंगा रेल लाइनक आमान परिवर्तन मे देरी।

Tags: कोसीसहरसा
Share1TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

मैथिली मे बाजत मोबाइलक आईवीआर

कमाल केलक नासा मे पटना क रोबोट

Esamaad Epaper Website

परोर बदललक किसान क भाग्‍य

Comments 10

  1. abhishek says:
    11 years ago

    बहुत प्रस्संता भेल बलुआह पुल बनत से बुझी के …

    Reply
    • प्रांजल सुमन says:
      11 years ago

      कुमार आशीष केर आलेख लग्नक मलेमॉस खत्म करत बलुआहां घाट पुल निक लागल, एहने भावुक आर खोजपरक समाचारक आगुओ उम्मीद ये….

      Reply
  2. संजय झा says:
    11 years ago

    कुमार आशीष शुभकामना हमर …एहिना खोजपरक आलेख लिखित रहु….

    Reply
  3. rajiv mishra says:
    11 years ago

    sarahniy kadam hai bihar sarkar ka baluaaha pul….

    Reply
  4. shyam charan jha says:
    11 years ago

    आशीषजी और इ-समाद क बहुत धन्यवाद य हमरा दिस से जे बलुवाहा पुलक समाचार आ फोटो
    देखेलु ….

    Reply
  5. raju says:
    11 years ago

    gud………

    Reply
  6. RADHA RANI says:
    11 years ago

    jabardast lagal…

    Reply
  7. birendra jha says:
    11 years ago

    khusee bhel ee jani ke je baluwaha pul banat…pahil ber net par maithilee samachar padhke nik lagl…

    Reply
  8. मनीष वत्स says:
    11 years ago

    धन्यवाद समाद नेट अखबार बलुवाहा के समाचार लेल….आशीष कुमारक भाषा रोचक ….
    फेर्देक्हब ई अखबार ….

    Reply
  9. naresh jha says:
    11 years ago

    nik lagal internet par maithlee samachar mobiletone ,baluvahaa pul biyada sabh samachar good n thanks.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिजली क ग्रिड फेल, सरकार पास!

by संपादक
August 7, 2012
0
Esamaad Epaper Website

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि