मुजफ्फरपुर । मुजफ्फरपुर मे लीची स शराब बनेबा पर उत्पाद मंत्रालय क हरी झंडी भेट गेल। विभागीय मंत्री अवधेश कुशवाहा लीची अनुसंधान केंद्र क वैज्ञानिक क संग बैसार मे लीची वाइन क औद्योगिक उत्पादन पर मुहर लगा देलथि। उल्लेखनीय अछि जे इसमाद डॉट कॉम एहि संदर्भ मे पहिने सुचित क चुकल अछि जे लीची स शराब बनेबाक योजना तैयार भ रहल अछि। जानकारी क अनुसार मंजूरी भेटलाक बाद आब जल्द एकटा वैज्ञानिक आ उत्पाद विभाग क एकटा अधिकारी शिमला जेताह आ ओहि ठाम स तकनीकी प्रशिक्षण पाबि अउताह। हिनका लोकनिक लौटलाक बाद फेर इ प्रस्ताव कैबिनेट मे जायत आ लीची वाइन क विधिवत उत्पादन शुरू भ जाएत।
राष्ट्रीय लीची अनुसंधान केंद्र, मुजफ्फरपुर क वैज्ञानिक करीब 14 साल पूर्व लीची स शराब तैयार करबा मे सफलता प्राप्त क लेने छलाह, मुदा राज्य सरकार द्वारा रुचि नहि लेबाक कारण स लीची शराब क फार्मूला प्रयोगशाला मे कैद भ कए रहि गेल। एहि दौरान यूबी ग्रुप क मालिक विजय माल्या सेहो शहर मे दूटा लीची बगान लेबाक इच्छा प्रकट केलथि। एक बेर त माल्या अपने शहर मे आबि परियोजना क जमीनी समीक्षा केलथि।
पिछला सप्ताह जखन लीची क फसल क्षति क गप सामने आयल त इ गप सेहो भेल जे आम तौर पर मौसम क मारि स प्रभावित लीची बर्बाद भ जाइत अछि अगर लीची क उपयोग शराब बनेबा मे कैल जाए त क्षति कम कैल जा सकैत अछि। एकर बाद उत्पाद मंत्री अवधेश कुशवाहा लीची वैज्ञानिक सबहक बैसार केलथि आ लीची शराब कए हरी झंडी दे देलथि। मुदा सरकार क इ निर्णय स लीची किसान कए एकटा नब बाजार जरूर भेटत मुदा पैघ कारोबारी कए एखन एहि मे समावेश नहि कैल गेल अछि, जाहि स बिचौलिया क खतरा मंडरा रहल अछि। ओना किसान ने सरकार क निर्णय क स्वागत केलक अछि। सरकारक निर्णयक अनुसार एखन लीची शराब उद्योग लेल फिलहाल छोटे उद्योगपति कए लाइसेंस देल जाएत ताकि एहि कारोबार कए पैघ कॉर्पोरेट क हाथ स बचाउल जा सकए। सरकारक एहि निर्णय स वैज्ञानिक सेहो काफी खुश छथि कियाकि हुनकर शोध कए आकार भेटत। त आब अंगूर क बेटी कए बिसरू आ लीची क नशा मे मदहोश हेबा लेल तैयार भ जाउ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa