प्रताडऩा स तंग प्रवासी उतरल सड़क पर, पांच थाना क्षेत्र मे कफ्र्यू
लुधियाना। लुधियाना शहर क विभिन्न हिस्सा मे पिछला किछु दिन स बिहारी कए निशाना बनाउल जा रहल अछि। बीच बाट पर छिनतई, घर मे चोरी आ बिना कारण झगड़ा आम बात भ गेल छल। शुरू मे सामान्य घटना मानि लोक चुप छल, मुदा बाद मे एकर पाछु सुनियोजित साजिशक पता चलल। जेकर बाद दू हजार स बेसी प्रवासी शुक्रदिन सड़क पर उतरि प्रदर्शन केलथि आ रोज भ रहल घटनाक आरोपी कए गिरफ्तार करबाक मांग केलथि। प्रदर्शनकारी कई ठाम सड़क आ रेल मार्ग कए अवरुद्ध करि देलथि। परिणामस्वरूप पूरा शहर मे तनाव पैदा भ गेल। शहर क प्रभावित हिस्सा मे कफ्र्यू लगा देल गेल अछि। दोसर दिन बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पंजाबक मुख्यमंत्री स लुधियानाक स्थितिक जानकारी लेलथि अछि। ओ तमसाइल प्रवासी सब स अनुरोध केलथि अछि जे ओ शांति बनेने रहथि। ज्ञात हुए जे लुधियाना मे भारी संख्या मे बिहार आ उत्तर प्रदेश क प्रवासी निवास करैत छथि।
पंजाब क पुलिस महानिदेशक (डीजीपी) पीएस गिल हालांकि सांझखन कहला जे प्रभावित इलाका मे सड़क आ रेल यातायात बहाल भ गेल आ प्रशासन हालात पर नियंत्रण केने अछि।
गिल कहला, ‘हम वरिष्ठ अधिकारी कए घटना स्थल पर पठा देलहुं अछि। हालात पर काबू करबा लेल पड़ोसी जिला स पुलिस मंगाउल गेल अछि। हम केंद्र सरकार स केंद्रीय बल क दूटा टुकड़ी सेहो मंगलहुं अछि।
गिल कहला जे प्रदर्शनकारी पिछला किछु महीना स एकटा बाइकर्स गिरोह स परेशान छथि ओ ओकरा द्वारा मचाउल जा रहल उत्पात क विरोध मे प्रदर्शन करि रहल छथि।
हिंसा क मद्देनजर लुधियाना क पांचटा इलाक – डिविजन-छह आ सात, शिमलापुरी, फोकल प्वाइंट आ साहनेवाल मे कफ्र्यू लगा देल गेल अछि। हिंसा क मद्देनजर लगभग छहटा ट्रेन कए विभिन्न स्टेशन पर रोकि देल गेल छल।
प्रदर्शनकारी कए नियंत्रित करबा लेल पुलिस आंसू गैस क प्रयोग केलक आ हवा मे गोली चलेलक।
पंजाब क अतिरिक्त पुलिस महानिदेशक (कानून एवं व्यवस्था) जेपी बिर्दी कहला जे क्षेत्र मे काफी हिंसा भेल अछि।