• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

लो फ्लोर बस क लेल बनत अलग कारिडोर

February 22, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018


पटना। राजधानी मे 30 आ 70 सेमी लो फ्लोर क बसक लेल खास कारिडोर बनाउल जा रहल अछि। दू टा कंपनी एकरा लेल आधारभूत संरचना तैयार करि रहल अछि। तीन माह क भीतर उक्त कारिडोर कए तय करि ओतए आहि तरहक रोड फर्निचर क व्यवस्था करबाक अछि, जतय स लो फ्लोर क बस पर लोग आसानी स चढि़-उतरि सक थि। एहि योजना क तहत हाजीपुर स सगुना मोड़ क बीच चौबीस घंटा सीधा कनेक्टिवटी आरंभ करबाक काज भ रहल अछि। ज्ञात हुए जे जवाहरलाल नेहरु अर्बन रिन्यूअल मिशन क तहत बिहार अर्बन डेवलपमेंट एजेंसी (बूडा) एहि बस क क्रय आ मेंटेनेंस क लेल प्रस्ताव आमंत्रित केलक अछि। लो फ्लोर क 70टा बस नान एसी आ 30टा एसी होएत। मेंटेनेंस करार दस साल क होएत। लो फ्लोर बस क लेल खास कारिडोर पर काज कए रहल आई ट्रांस कंपनी क निदेशक सुशांत गौरव कहला जे पहिल रूट क तहत हाजीपुर कए राजधानी क आखिरी हिस्सा स सीधा जोड़बाक अछि। लगभग एक मास क सर्वे मे इ गप सामने आयल अछि जे हाजीपुर स सब दिन चालीस हजार स बेसी लोग राजधानी क विभिन्न हिस्सा मे अबैत अछि। एकरा लेल इ योजना अछि जे बस कए गांधी सेतु क आखिरी हिस्सा स खोलल जाए। ओहि ठाम साइकिल स्टैंड आ मोटरसाइकिल स्टैंड बस क परिचालन कए देखबा लेल चयनित एजेंसी द्वारा बनाउल जाएत। बस क रूट सेहो लगभग तय अछि। राजधानी क पुराने बाइपास होइत इ चिरैयाटांड़ पुल पार करि स्टेशन तक आउत आ फेर डाकबंगला होइत वाया बेली रोड भ कए सगुना मोड़ तक पहुंचत। एहि कारिडोर मे सचिवालय, हाईकोर्ट आ बोरिंग रोड क बाहरी हिस्सा कवर भ रहल अछि। विशेष कारिडोर पर काज करि रहल एजेंसी क अभियंता क कहब अछि जे गांधी सेतु स लकए पुराने बाइपास तक खास कारिडोर क लिए जगह त भेट रहल अछि, पर चिरैयाटांड़ पुल स स्टेशन तक कनि समस्या अछि। एकर बाद फेर डाकबंगला चौक स लकए सगुना मोड़ तक कोनो परेशानी नहि अछि। एहि रूट मे की-की व्यवस्था करबाकअछि इ प्रस्ताव कए एजेंसी द्वारा माह दू माह क भीतर बूडा कए सौंप देल जाइत। एहि तरह स एकटा रूट गांधी मैदान स दानापुर टमटम पड़ाव तक क अछि। एहि रूट मे विशेष कारिडोर बनेबा लेल कोनो तरह क समस्या नहि अछि।

Tags: Biharbus
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

दुआ अमन-चैन लेल

मिथिला मे रहल संयोजक क पद

महादलित क सरकार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

तिरहुतक पहिल कारोबारी शहर छल नाथपुर

by संपादक
March 15, 2018
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि