• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

विकासक मामला मे देश स आगू भेल बिहार

December 22, 2009
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

नई दिल्ली। बिहार कए भले देश क सबस पिछड़ल राज्यक कतार मे राखि बीमारू राज्यक लीडर कहबाक आदत भ चुकल अछि, मुदा ताजा आंकड़ा बता रहल अछि जे आब आदत बदलबाक समय आबि चुकल अछि। वर्ष 2005-06 स 2007-08 क दौरान देश क औसत विकास दर 9.4 प्रतिशत क मुकाबले एहि राज्य क औसत विकास दर 10.5 प्रतिशत रहल। योजना एवं संसदीय कार्य राज्य मंत्री वी नारायणसामी नरेश गुजराल आ एनके सिंह क सवाल क लिखित जवाब मे राज्यसभा मे इ ताजा आंकड़ा प्रस्तुत केलथि।
बेशक, बिहार जे सुतल छल, ओ ठार भ न केवल चलि रहल अछि, बल्कि दौर रहल अछि, मुदा बाट ततबा लंबा अछि, जे विकसित राज्यक कतार मे एबा लेल बहुत किदु करब एखन बाकी अछि। ओ प्रदेश जाहि ठाम सपना कए मारि देल गेल छल, आगू बढ़बाक ललक पैदा करब आ फेर ओकरा दौरा देब एकटा चुनौती अछि। उम्मीद करबाक चाही जे बदलल बिहार एक दिन जीतल बिहार बनि भारत मे विकसित राज्यक कतार मे ठार भ सकत।
मुख्यमंत्री एहि सपना कए साकार करबा लेल सामुदायिक प्रयासक आह्वïान करैत रहला अछि। प्रदेश क विकास दर 10.02 प्रतिशत एहि आह्वïानक नतीजा छी। एकरा लेल कोनो एक व्यक्ति, पार्टी या संस्था कए जिम्मेदार नहि मानि सकैत छी। सामुहिक प्रयासक नतीजा अछि जे बिहार राष्ट्रीय औसत स आगू अछि। एतबा जरूर जे इ शासन क प्रयास क सफलता क गारंटी सन अछि। समय क संग बहुत किछु बदलल देखा सेहो रहल अछि। बिहार क विकास क उछाल क आतुरता कए जीएबाक लेल देश-विदेश मे बैसल प्रवासी बिहारी आ केंद्र सरकारक मंत्री आ अधिकारीक अपेक्षित सहयोग जरूरी अछि। इ गप कई बेर विभिन्न मंच स कहल जा चुकल अछि जे बिहार क विकासक बिना देश क संतुलित विकास असंभव अछि। एहि सच्चाई पर ईमानदारी स केंद्र मे बैसल नौकरशाह आ मंत्री कए डेग उठेबाक चाही।
इ कटु सत्य अछि जे बिहार, प्रारंभ स उपेक्षित रहल अछि। स्वतंत्र भारत मे एकरा आंतरिक उपनिवेश बनाकए रखल गेल। बिहारक लोहा आ मजदूर स पंजाब मे साइकिल बनैत रहल। बिहार आइ विकास क लेल मचलि रहल अछि, त ओकर वास्तविक हक भेटबाक चाही।
विकास क मसला पर राजनीति नहि हेबाक चाही। एहि मोर्चा पर सब नेता एकजुट भ एकटा बिहारी क दायित्व निभा बिहारक कर्ज चुकता करथि। प्रदेश मे क्षमता क कमी नहि अछि। आवश्यकता बस लायक मौका क अछि। एकरा मुहैया कराएब, सब जिम्मेदार पक्ष अपन प्राथमिकता मानथि। दिल्ली मे एकटा सशक्त बिहार लाबी बनए, जे हित क पुरजोर सुरक्षा करए। बिहार स जीत कए गेलाक बाद शरद यादव महिला विधेयक पर जरूर जहर खेबाक एलान करथि, मुदा एक शब्द मधेपुरा रेल कारखानाक शीघ्र निर्माण लेल सेहो मुंह स निकलबाक चाही। लालू आ नीतीशक अलाबा जे नेता छथि हुनका मे बिहारियत अभाव एखनो देखा रहल अछि।

Tags: बिहार सरकार
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

त अपने लगा लेलक आगि...

Esamaad Epaper Website

झारखंड : खंड-खंड जनादेश, फेर सजल बाजार

Esamaad Epaper Website

मैथिली लेल दिवंगत मनमोहन झा कए साहित्य अकादमी

Comments 1

  1. R.Jha says:
    13 years ago

    बड नीक गप कहलियैक अपने. बिहार पर पिक्की पाड़य वला दोसर राज्यक लोकक मुंहपर ताला लगौनाई आब बड जरूरी भ’ गेल अछि.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि