दावोस। देशक प्रसिद्ध कंपनी गोदरेज क अध्यक्ष आ प्रबंध निदेशक जमशेद एन गोदरेज कहला अछि जे समेकित विकास स भारत बदलि रहल अछि। दावोस क स्विस स्की रिसोर्ट मे आयोजित विश्व आर्थिक फोरम क वार्षिक बैठक मे ओ इ दावा केलथि जे बिहार विकासहीनता क प्रमुख उदाहरण छल, मुदा आब विकास क पर्याय बनैत जा रहल अछि।
एहि अवसर पर योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलूवालिया कहला जे वर्ष 2012 स शुरू भ रहल 12म पंचवर्षीय योजना मे आधारभूत संरचना क्षेत्र मे निवेश क लक्ष्य दोगुना करिकए 10 खरब डॉलर राखल जाएत। इ लक्ष्य निजी क्षेत्र क उम्मीद क मुकाबला मे आधा अछि।
बोस्टन कनसल्टिंग समूह क एशिया पैसिफिक क्षेत्र क प्रतिनिधि जन्मेजय के सिन्हा कहला जे वित्तीय संस्थान आ बैंक क वंचित लोक तक सेवा पहुंचेबाक प्रतिबद्धता स पैघ तादाद मे अवसर निर्मित होएत। ओ कहला जे एखनो भारत मे 55 प्रतिशत लोक वित्तीय सेवा क पहुंच स बाहर छथि, जाहि मे ज्यादातर 30 साल क उम्र स कम क छथि।