• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

विकास क बयार स थम्हल पलायन क रफ्तार

December 23, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। एहि सीजन मे बिहारी मजदूर क रुझान पंजाब क दिस बहुत कम अछि। देखल जाए त इ लगातार तेसर साल छी जखन बिहार मे पलायन क रफ्तार नीचा दिस देखा रहल अछि। बिहार मे नीतीश कुमार क नेतृत्व मे बनल दोसर सरकार स मजदूर मे काज भेटबाक भरोस पुख्ता भेल अछि, जाहि कारण स गाम आयल मजदूर स्थानीय स्तर पर ठेकेदार क संपर्क मे अछि। पिछला पांच साल मे मजदूरक लौटबाक संख्या लगातार कम भ रहल अछि। एकर सबस पैघ कारण सार्वजनिक निवेश मे गुणात्मक बढोतरी रहल। वित्तीय वर्ष 2004-05 मे राज्य क योजना व्यय जतए 3196 करोड़ टका छल, ओतहि वित्तीय वर्ष 2010-11 अबैत-अबैत बढ़िकए 20 हजार करोड़ जा पहुंचल, जे अगिला साल 24 क लग पास मे रहत। जाहिर तौर पर योजना व्यय मे एहि गुणात्मक बढ़ोतरी स राज्य मे अनगिनत विकास क छोट-पैघ योजना कार्यान्वित भेल आओर लाख क संख्या मे श्रम क सृजन भेल। सड़क, पुल-पुलिया, स्कूल-अस्पताल-कार्यालय भवन आदि मे हजार करोड़ स बेसी निवेश भेल। एखन धरि पांच साल मे 10 हजार किलोमीटर स बेसी सड़क क निर्माण भ चुकल अछि। जखनकि लगभग दू हजार नव पुल-पुलिया बनाएल जा चुकल अछि या निर्माणाधीन अछि। एहि तरह स सरकारी स्कूल मे एक लाख क्लासरूम बनाउल गेल आओर 25 हजार निर्माणाधीन अछि।
एहि सबस ऊपर महात्मा गांधी ग्रामीण रोजगार गारंटी योजना यानि मनरेगा क तहत ग्रामीण श्रम क सृजन मजदूर क पलायन कए बहुत हद तक कम केलक अछि। एहि योजना क तहत राज्य मे एखन धरि 41.27 लाख परिवार कए रोजगार मुहैया कराउल गेल अछि। ओतहि 11.36 करोड़ मानव दिवस श्रम सृजित भेल अछि। एहि योजना मे एखनधरि 1816.88 करोड़ टका राशि स 1 लाख 58 हजार 740 कार्य कैल गेल अछि।
राज्य क ग्रामीण विकास मंत्री नीतिश मिश्र क मुताबिक ई शक्ति योजना क द्वारा मनरेगा कए बेसी पारदर्शी बनाकए बेसी उपयोगी बनेबाक कोशिश कैल जा रहल अछि। नीतिश मिश्र कहब अछि जे राज्य मे पलायन मे आबि रहल कमी क पैघ वजह सार्वजनिक क्षेत्र क निवेश आ मनरेगा क जरिए ग्रामीण रोजगार क सृजन अछि। दोसर दिस स्वयंसेवी संगठन निदान क सचिव अरविन्द सिंह क कहब अछि जे बिहार स रोजगार क तलाश मे बाहर पलायन करि गेल लोक मे अपन राज्य लौटबाक मानसिकता पिछला पांच साल मे बनल अछि आ एहिमे स किछु-किछु करि कए साल दर साल घर वापसी सेहो भ रहल अछि। रेलवे मे एएसएम संजीव सिन्हाक कहब अछि जे मधुबनी एबा लेल होली तक गाडी मे भारी भीड अछि, मुदा कटनीक बाद पंजाब जेबा लेल मजदूरक संख्या मे अप्रत्याशित कमी देखल जा रहल अछि। सिन्हा कहला जे मजदूरक पलायन मुंबई आ दिल्ली लेल सेहो कम भेल अछि, मुदा कोलकाताक मजदूर लौट रहल अछि। हुनक अनुसार पिछला सालक मुकाबला मे एहि साल मधुबनी जिला स लगभग 20 हजार मजदूर लौट कए बाहर नहि जा रहल अछि, जखन कि 10 हजार लंबी दूरीक गाडी पकडि रहल अछि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

हेलीकॉप्टर स लैस होएत बिहार पुलिस

हम करि त जातिवाद, आन करए त सोशल इंजीनियरिंग: लालू

Esamaad Epaper Website

रघुवंश बाबू भ सकैत छथि राजदक कार्यकारी अध्यक्ष

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि