• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

नहि चमकि रहल अछि बिहार: राहुल

October 25, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021


कांग्रेस क राष्ट्रीय महासचिव राहुल गांधी बिहार मे सत्तासीन राजग पर बिहार शाइनिंग क झूठ प्रचार करबाक आरोप लगौलथि अछि। ओ कहला अछि जे 2004 मे कांग्रेस क खिलाफ राजग चुनाव लड़ने छल ओहि समय मे इंडिया शाइनिंग यानि चमकैत हिंदुस्तान क नारा देने छल, मुदा चुनाव मे देश क जनता बता देलक जे किसान, पिछडा, दलित आ आदिवासी क हिंदुस्तान एखन नहि चमक रहल अछि। गांधी कहलथि जे जखन धरि देश मे एकटा गरीब अछि, देश कोना चमकि चकैत अछि, कांग्रेस हरदम इ बुझैत अछि जे देशक असली चेहरा की अछि आ ओकर हल लेल काज करि रहल अछि।
राहुल गांधी कहलथि अछि जे ओ दिन कोना लौटत जखन एक बेर फेर देश इ देखबाक बाट ताकत जे बिहार आ उत्तर प्रदेश की करि रहल अछि, किया कि बिहार देश कए दिशा दैत रहल अछि। पिछला 25 साल मे बिहार अपन इ रोल नहि निभा रहल अछि। जाति धर्मक आधार पर वोट करबा स बिहार कतहु पाछु छुटि गेल, एहि बेर बिहार लेल वोट करू। कांग्रेस कोनो जाति या धर्मक संग नहि अछि, इ हिंदुस्तान आ बिहारक संग अछि। ओ कहला जे आन दल जाति क नाम पर लोक कए लड़ा रहल अछि, मुदा कांग्रेस एहन काज कहियो नहि केलक आ आगू सेहो केवल विकास क राजनीति करै चाहैत अछि, जाति क नहि।
अहां मे क्षमताक अभाव नहि अछि। अहां सब हिंदुस्तान कए बना देलहुं अछि। बिहार कए सेहो बना सकैत छी, मुदा बिहार मे अहां सब कए जाति आ धर्मक आधार पर बांटि देल गेल अछि। अहां सब कए एकजुट करबाक काज केवल कांग्रेस क सकैत अछि। अहां सब एकजुट होएब तखने बिहारक विकास भ सकैत अछि।
कांग्रेस शासित प्रदेश स बिहारी मजदूर कए खदेड़बा पर राहुल गांधी कहला जे कांग्रेस मानैत अछि जे इ देश सबहक छी, अगर बिहारी नहि होइते त पंजाब विकास क पथ पर नहि दौड़ि सकतए। मुदा जदयू आ शिवसेना मे गठजोड अछि आ मनसे सेहो एहि विचारधारा क पार्टी अछि, ओ नारा देलथि- एक हिन्दुस्तान, सबहक हिन्दुस्तान। कांग्रेस कोनो दू राज्य मे कोनो अंतर नहि मानैत अछि। जहिना बिहारी लेल पंजाब अछि, तहिना पंजाबी लेल बिहार। कियो कतहु रहि सकैत अछि काज कए सकैत अछि।
अहां सबहक मेहनत स आइ देश मे टकाक कोनो कमी नहि अछि, केंद्र बिहार कए टका सेहो द रहल अछि, मुदा ओ टका अहां तक नहि पहुंच रहल अछि। इ गप हमहु बुझैत छी आ नीतीश जी सेहो खूब जनैत छथि।
नीतीश जी कहैत छथि जे बिहार मे विकास भेल अछि। जखन कि हम आ अहां दूनू गोटे जनैत छी जे खेत मे बिजली आ पाइन नहि अछि। हम पूछैत छी जे आखिर बिहार क विकास भ रहल अछि त अहां घर-बार छोड़िकए बाहर किया जा रहल छी? अहांक घरक चूल्हा रोज किया नहि जरैत अछि? इलाका मे बाढ़िक तबाही किया मचल अछि? सब साल केन्द्र सरकार जेे टका दैत अछि ओ कतए खर्च भ रहल अछि?
राहुल गांधी कहला जे केन्द्र मे एनडीए क सरकार छल, तखन बिहार कए पांच साल मे 50 हजार करोड़ टका भेटल। कांग्रेस क सरकार बनला पर इ राशि दोगुना करि देल गेल। मुदा, राज्य सरकार एकरा ठीक ढंग स खर्च नहि केलक। दुख क गप अछि जे अहांक टका अहां तक नहि पहुंच सकल।
ओ कहला जे कांग्रेस विकास क सरकार चलबैत अछि। कईटा कांग्रेस शासित राज्य एकर उदाहरण अछि। ओ कहला जे मनरेगा स इ साबित भेल जे कांग्रेस आम आदमी क सेहो सरकार अछि।
राहुल कहला जे जदयू कहैत अछि जे ओ भाजपाक दू टा नेता कए बिहार नहि टपए देताह। हमर मानब अछि जे इ कोनो दूटा नेताक गप नहि अछि एकर संबंध विचारधारा क स्तर पर अछि। आ हम एहि विचारधारा क खिलाफ छी।
अपन करीब बीस मिनट क भाषण मे राहुल गांधी लोक स कांग्रेस कए फेर स सत्ता मे अनबाक आ जाति आधारित सियासत कए ध्वस्त करबाक गुजारिश केलथि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

लालू आ नीतीश मे बहस चाहैत छथि आडवाणी

Esamaad Epaper Website

टांटी नरसंहार मे सात गोटे कए आजीवन कारावास

बि‍हार मे मोदीक कोन जरूरत : सुषमा

Comments 1

  1. Dayakant says:
    13 years ago

    Votak samay me vikas yad abait achhi aur banki samay jakhan ahank Congres sashit pradesh “Maharastra Assam” me bihari ke katle aam kayal jayat achhi takhan aha eko ber appan muh nahi kholait chhi nirdesh ke uppar danta barsayal jayat achhi ohi samay aha aur ahak Congress Parti katay rahait achhi Ki ham ahi se puchhait jhee je Ki maharastra aa assam me bihari ke jewak adhikar nahi chhiat ki

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि