• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

विकास लेल भ रहल खामोश क्रांतिक अग्रदूत-3

July 22, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

आई पटना स ल कए अमेरिका तक बिहार क बदलाव चर्चा क विषय बनल अछि। पिछला लगभग पांच साल स नीतीश कुमार राज्यक मुखिया छथि। एकटा वर्ग एहि लेल हुनका श्रेय द रहल अछि। दोसर वर्ग सडक, बिजली आ उद्योग क हालत देखी विकासक गति मापबाक प्रयास करि रहल अछि। मुदा बिहार मे जे चुपचाप क्रांति भ रहल अछि ओकरा दिस ककरो ध्यान नहि जा रहल अछि। सच मानू त बिहार कए बदलिनिहार ओकर गाम आ शहर क लोक अछि जे बिना कोनो अखबार मे विज्ञापन निकाली अपन काज स अपन आ राज्यक सामाजिक आर्थिक आ राजनीतिक विकास कए रहल अछि। किया कि बिहारक मे जे बदलाव भ रहल अछि ओ कोनो एकटा नेता या एकटा तार्किक सिद्धांत क बल पर नहि भ सकैत अछि। समाद एहने किछु लोकक संबंध मे समय समय पर जानकारी दैत रहल अछि। एहि नव कडी मे प्रस्तुत अछि समदिया क तीन गोट खास रपट जाहि मे एहन बिहार नवनिर्माता क बारे मे बताउल गेल अछि जे अपनो नहि बुझि पाबि रहल अछि जे ओ राज्यक विकास लेल भ रहल खामोश क्रांतिक अग्रदूत छथि।

गार्डन रोड देखी मन गार्डन-गार्डन भेल

मोतिहारी। हर गाम कए सड़क स जोड़बाक इ कोनो सरकारी योजना नहि, बल्कि गामवाला क सामूहिक प्रयास क नतीजा छी जे पूर्वी चंपारण क मेहसी क सुलसाबाद क लोक आब अपन बनाउल सड़क पर चलैत छथि। ग्रामीण श्रमदान क बल पर डेढ़ किलोमीटर लंबा आ 12 फुट चौड़ा सड़क क निर्माण केलथि अछि। इ सड़क आब गार्डन रोड क नाम स जानल जाइत अछि। मेहसी प्रखंड कार्यालय क ठीक सामने रेलवे लाइन क पार अछि सुलसाबाद गाम। दू दशक पूर्व गाम कए मेहसी बाजार स जोड़बा लेल लीची क गोछी स भ कए जीर्ण-शीर्ण पगडंडीनुमा सड़क छल। बरखा क समय मे एहि सड़क स स्टेशन आ बाजार तक जाएब काफी मुश्किल छल। एकर दशा देख गामक लोक छठ क दिन घाट पर बैठक केलथि आ तय भेल जे एहि सड़क कए ठीक करबाक अछि किया कि दोसर सड़क जे गाम कए बाजार स जोड़ैत छल ओ तीन-तीन किलोमीटर क चक्कर कटवैत अछि। बैठक क दोसरे दिन भोरे भोर चार बजे गाम युवक कोदारि ल बाट पर पहुच गेलाह, एकर बाद की छल सब बैसक लोक सडक बनेबा में जुटी गेल। प्रतिदिन करीब 20 स 30 मीटर सड़क क निर्माण होइत रहल। एक माह मे लीची क बाग स एकटा खूबसूरत सड़क बनि कए तैयार भ गेल। इ सड़क पूरा प्रखंड मे आदर्श अछि, किया कि गाछी स गुजरैत एतबा लंबा सड़क आओर नहि अछि। एहि सड़क स सिर्फ सुलसाबाद गामक लोक नहि बल्कि कल्याणपुर आ चकिया प्रखंड क लोक कए सेहो आराम भेल अछि।

थाकि गेलाह त थामि लेलथि कोदारि
रक्सौल (पू.च) ।
बिहारी जखन ठानि लैत अछि त पत्थर सेहो पाइन बनि जाइत अछि..। किछु एहने भेल तुमरिया टोला मे। एहि ठामक लोक रक्सौल रेलवे स्टेशन आ बॉर्डर पिलर संख्या 393 आ 394 कए जोड़ैवाला जर्जर सड़क कए श्रमदान स बना लेलथि अछि। एहि सड़क क दशा एहन भ चुकल छल जे ओहि पर पैदल चलब सेहो खतरा स खाली नहि छल। सड़क गड्ढा मे तब्दील भ चुकल छल। बरखाक समय मे त जलजमाव आ कादो आम बात छल। एहि टोला क ग्रामीण जनप्रतिनिधि स गुहार लगबैत -लगबैत थाकि चुकल छलाह। प्रशासन आ नेता सिर्फ आश्वासन दैत रहलाह। जखन गप ओहि स आगू नहि बढल त लोक अपन दम पर सडक बनेबाक ठान लेलथि। ग्रामीण क बैठक भेल आ एहि जर्जर सड़क क मरम्मत करबाक सर्वसम्मति स निर्णय भेल। करीब 12 फुट चौड़ा सड़क कए ग्रामीण सब चारि फुट ऊंच सेहो बनौलथि। ग्रामीणक जोश देखि हुनकर मदद लेल अभियंता भरत प्रसाद सिन्हा सेहो सामने एलथि, हुनकर देखरेख मे एकटा पुलिया क सेहो निर्माण भेल। आब इ सड़क पर छोट-मोट नहि, बल्कि पैघ वाहन सेहो धड़ल्ले स दौड़ि रहल अछि। सडक लेल स्थानीय वार्ड पार्षद ईंट क व्यवस्था जरूर करौलथि अछि।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

यूनिवर्सिटी आफ नालंदा निरसन विधेयक पास

Esamaad Epaper Website

गर्व करबाक एकटा आओर मौका: भ्रुण हत्या रोकबा मे बिहार बनेलक रिकार्ड

Esamaad Epaper Website

अन्य पिछड़ा वर्ग क सूची मे शामिल भेल बिहारक अदरखी जाति

Comments 2

  1. Hindi News Portal says:
    11 years ago

    yes this is tru i agree with your post please provide me this tpye news and i subscribe your post also.

    Reply
  2. web hosting india says:
    11 years ago

    Yeah this is true….I like this news…….

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि