• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

विकास लेल भ रहल खामोश क्रांतिक अग्रदूत

July 13, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

आई पटना स ल कए अमेरिका तक बिहार क बदलाव चर्चा क विषय बनल अछि। पिछला लगभग पांच साल स नीतीश कुमार राज्यक मुखिया छथि। एकटा वर्ग एहि लेल हुनका श्रेय द रहल अछि। दोसर वर्ग सडक, बिजली आ उद्योग क हालत देखी विकासक गति मापबाक प्रयास करि रहल अछि। मुदा बिहार मे जे चुपचाप क्रांति भ रहल अछि ओकरा दिस ककरो ध्यान नहि जा रहल अछि। सच मानू त बिहार कए बदलिनिहार ओकर गाम आ शहर क लोक अछि जे बिना कोनो अखबार मे विज्ञापन निकाली अपन काज स अपन आ राज्यक सामाजिक आर्थिक आ राजनीतिक विकास कए रहल अछि। किया कि बिहारक मे जे बदलाव भ रहल अछि ओ कोनो एकटा नेता या एकटा तार्किक सिद्धांत क बल पर नहि भ सकैत अछि। समाद एहने किछु लोकक संबंध मे समय समय पर जानकारी दैत रहल अछि। एहि नव कडी मे प्रस्तुत अछि समदिया क तीन गोट खास रपट जाहि मे एहन बिहार नवनिर्माता क बारे मे बताउल गेल अछि जे अपनो नहि बुझि पाबि रहल अछि जे ओ राज्यक विकास लेल भ रहल खामोश क्रांतिक अग्रदूत छथि।

अपराध स तपल धरती पर सेवा क गंगाजल
बगहा (प.चंपारण) एकटा एहन माइट जतय कायम छल डाकु क आतंक। लोग झेलैत रहल सअ साल बाढ़ि। जूझैत रहल गरीबी स। चहलकदमी करैत एक दोसर क खून क प्यासल। घर स निकलैत महिला। मुदा एहि सब स अलग एहि माइट पर एकटा महिला समाजसेवा क बदौलत बना लेलथि मुकम्मल पहचान। एहि बहादुर महिला क नाम अछि – उर्मिला कुशवाहा। पिपरासी प्रखंड क सेमरा लबेदाहां पंचायत स्थित मंझरिया गांव क रहनिहारि उर्मिला कुशवाहा 1998 मे समाज सेवा क क्षेत्र मे कदम रखलथि। माध्यम बनल स्वयंसेवी संस्था वन विकास भारती आ कार्यक्षेत्र बनल गंडक पार दियारा। वर्ष 2001 तक उर्मिला अपराधक छाहरिक बीच लोक कए स्वास्थ आ शिक्षा क प्रति जागरूक त करैत बाढ़ि स बचबाक हुनर सेहो बेतेलथि। उर्मिला क सेवा क रंग आम लोक पर एहन चढ़ल जे 2001 मे ओ जिला पर्षद क सदस्य चुनल गलीह। पांच वर्ष तक जनता क सेवा मे लागल रहलीह। जिला परिषद क सदस्यता अवधि खत्म भेलाक बाद आब ओ उत्तर प्रदेश क महादेवा स्थित आंगनबाड़ी केन्द्र पर मुख्य सेविका क रूप मे शिक्षा क अलख जगा रहल छथि। उर्मिला कहलथि जे शुरू स हुनकर इच्छा छल जे नारी अबला अछि इ मिथक कए तोड़ल जाए। एहि मिशन क तहत वन विकास भारती क संग जुड़लहुं। संस्था स प्रोत्साहन भेटल आ सेवा क बूते जिला पार्षद मे चुनल गेलहुं। लेकिन राजनीति मे रहि कए समाज लेल बेसी काज करबा दिक्कत बुझाइल ताहि लेल सियासत स तौबा करि समाज सेवा दिस लौट एलहुं।

इ नारी सब पर भारी
कोठिया (शिवहर) । शिवहर शहर स सटल अछि कोठिया गाम। एकटा एहन गाम, जेकर चारूकात केवल हरियाली ये हरियाली अछि। एहि हरियाली मे आब एहि ठामक महिला क सेहो योगदान अछि,, जे पुरुष क लेल सेहो नजीर बनि गेलथि अछिं। सामूहिक खेती क अद्भुत मिसाल कायम करनिहारी इ महिला लोकनि एहि ठाम वर्मी कंपोस्ट तक क उत्पादन करि रहल छथि। हिनकर सफलता क दास्तां बयां करि रहल अछि शिवहर-पिपराढ़ी मुख्य सड़क क कात लागल बीस एकड़ जमीन, जतय नेनुआ, खीरा, टमाटर, भिंडी, बैगन, चुकंदर, मिर्च, लौकी, करैला आदि तरकारी। तरकारी स लहलहा रह खेत देखी हुनकर एहि हुनर कए शिवहर क डीएम सुरेश प्रसाद सिंह सेहो सलाम करैत छथि।

डुमरा क बेरबास क एकटा बागवां
सीतामढ़ी डुमरा प्रखंड क बेरबास गाम क 75 वर्षीय मो. इसराइल। ओ किसी फिल्म क महानायक नहि छथि ने कोनो टेली सीरियल क नायक, मुदा बिहारक बदलैत सामाजिक आ आर्थिक दशा लेल हिनकर गिलहरी प्रयास समाज मे नायक बना देलक अछि। पारिवारिक संबंध क मजबूत बुनियाद आ मेहनत क बल पर आत्मनिर्भर भेल इसराइल बिहारक विकास मे ओहने योगदान द रहल छथि जेहन समुद्र पर राम सेतु बनेबा मे एकटा छोट सन गिलहरि देने छल। मो. इसराइल 64 सदस्यक परिवार क मुखिया छथि, जेकर आजीविका क आधार माछ पोसब अछि। डुमरा प्रखंड क बेरबास गाम मे माछ पोसी कए खुशहाल जिनगी जी रहल इ संयुक्त परिवार इलाका मे मिसाल बनि गेल अछि। इसराइल क सातटा बेटा अछि, जाहि मे छहटा कए ब्याह भ चुकल अछि। पुत्र निजामुद्दीन, महमूद आलम, अली हुसैन, हुमेदूर रहमान, जुबैद, अनवारूल व शहाबुद्दीन क लेल अब्बा क हुक्म अल्लाह-ताला क हुक्म क तरह अछि। इसराइल खुद निरक्षर छथि, मुदा बेटा कए शिक्षित बनौलथि अछि। पौत्र क संग संग पौत्री कए सेहो स्कूल पठा रहल छथि। आइ इ परिवार जेहन अछि किछु साल पहिने तक एहन नहि छल, इ परिवार गरीबी कए काफी लग स जीलक अछि। इसराइल 1962 स माछ क व्यवसाय मे छलाह, मुदा दू सांझक रोटी मुश्किल छल। कहुना कए कर्ज ल एक एकड़ जमीन कीनलाह। फेर 2000 मे सिंडिकेट बैंक स पांच लाख टका ऋण प्राप्त करि राघोपुर बखरी मे सरकारी हैचरी क लग निजी हैचरी स्थापित केलथि। आवंटन क अभाव मे सरकारी हैचरी बंद भ चुकल छल। आइ एक दशक मे इ हैचरी लगातार कामयाबी क इतिहास रचि रहल अछि। सीतामढ़ी, शिवहर आ नेपाल तक क माछ व्यवसायी एहि हैचरी स माछ लकए बेच रहल छथि। मो. इसराइल कहैत छथि किछु मुश्किल नहि अछि बस ठान लेबाक हिम्मत हुए।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

जन्म आ मृत्यु क बीच क बाट मात्र नहि अछि जीवन

Esamaad Epaper Website

टाटा पार्क स खुलत प्री-पेड आटो

Esamaad Epaper Website

नहि बढ़त होल्डिंग टैक्स

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

चंदा करि पुलिस चौकी बना देलक गामक लोक

by संपादक
February 22, 2010
0
Esamaad Epaper Website

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि