पटना। दुनिया मे घटल कोनो घटना स जखन धरि बिहार अपना कए जोडि नहि लैत अछि ओ घटना कए संपूर्णता नहि भेटैत अछि। चाहे ओ शमसान मे भेटल नरमुंड कए निठारी कहब हुए या फेर चौराहा क गुंडा कए डान क संज्ञा देब हुए बिहार कोनो प्रकार स जुडबा लेल तैयार भ जाइत अछि। विकिलीक्स क खुलासक बाद इ एकटा सवाल सबहक मन मे छल जे आखिर एहि साइट पर बिहार क चर्चा आउत बा नहि आ आउत त कौन रूप मे, नीक या अधलाह। विकिलीक्स क नव खुलासा बिहार लेल त नीक कहल जा सकैत अछि मुदा बिहार मे बहुत किछु गवां चुकी कांग्रेस क लेल इ नव आफत ल कए आयल अछि। कांग्रेस क नेता क बकार बंद अछि। मसला, राहुल गांधी द्वारा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क तारीफ क अछि। इ प्रकरण विकिलीक्स क बिहार लिंक द देलक अछि। एहि मे राहुल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क गुड गवर्नेस क तारीफ केने छथि। एतबा धरि कहने छथि जे नीतीश कुमार इ साबित करि देलथि अछि जे चुनाव जीतबा लेल सुशासन काफी अछि। लालू प्रसाद क भांति जाति क आधार पर चुनाव जीतबाक रणनीति क दिन लैद गेल अछि। पिछला लोकसभा चुनाव क ठीक बाद क इ गपशप वस्तुतः कांग्रेस क बिहार मे हारि क मुतल्लिक स्वाभाविक स्वीकारोक्ति अछि। ध्यान रहे जे पिछला लोकसभा चुनाव मे कांग्रेस कए केवल दूटा उम्मीदवार जीतल छल। बहरहाल, कांग्रेसी तय नहि करि पाबि रहल छथि जे एहि खुलासा क बाद आब कौन मुंह स नीतीश कुमार या हुनकर सरकार क आलोचना कैल जाए? एहि बारे मे कईटा नेता स गप करबाक कई गोटे प्रयास केलक अछि मुदा कियो किछु बजबा लेल तैयार नहि अछि। विकिलीक्स क एहि खुलासा क एकटा पक्ष इ सेहो अछि जे कांग्रेस आलाकमान, बिहार मे अपन खराब प्रदर्शन क बारे मे पहिने स बहुत हद तक सोचने छल। विकिलीक्स क मानी त राहुल गांधी अमेरिकी दूतावास मे प्रभारी राजदूत पीटर बर्ले स गपशप मे एहि तथ्य क चर्चा केने छलाह।