• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

वित्तरहित शिक्षण संस्थान कए जनवरी मे भेटत अनुदान

December 14, 2009
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। दू दशक पुरान कैंसर क आखिरकार नीतीश सरकार ईलाज ताकि लेलक। वित्तरहित प्रस्वीकृति प्राप्त निजी माध्यमिक-उच्च माध्यमिक विद्यालय आ डिग्री कॉलेज कए वित्त सहित करबाक जांच क कवायद समाप्त भ गेल आ यदि सब किछु ठीक रहल त 1280 संस्थान कए जनवरी 2010 मे अनुदान भेट जाइत। अनुदान पेबाक फाटक आब खुलि गेल अछि। सरकार एहि मद मे 138 करोड़ क राशि मानव संसाधन विभाग कए थमा देलक अछि।
आधिकारिक तौर पर भेटल जानकारी क अनुसार अनुदान पेबाक इच्छा रखनिहारे 1280 स्कूल आ कॉलेज मे स 95 फीसदी संस्थान क कागजात आ उत्तीर्ण छात्र-छात्रा क रिजल्ट आ नव सत्र मे नामांकित छात्र-छात्रा क सत्यापन भ चुकल अछि। मानव संसाधन विकास मंत्री हरिनारायण सिंह क अनुसार खरमास समाप्त भेला पर 15 जनवरी, 2010 क बाद अनुदान क लेल उचित पाउल गेल संस्थान कए चेक पठेबाक प्रक्रिया शुरू करि देल जाइत। सरकार क एहि फैसला स वित्तरहित संस्थान मे कार्यरत 50 हजार स बेसी शिक्षक आ शिक्षकेत्तरकमर्री कए नियमित वेतन क लाभ भेटत।
राज्य सरकार अनुदान क लेल आवेदन देबा लेल 30 जून, 2009 अंतिम तिथि तय केने छल। इ तय भेल छल जे अनुदान क राशि छात्र क माध्यमिक, उच्च माध्यमिक आ डिग्री परीक्षा क रिजल्ट क परीक्षाफल क आधार पर देल जाइत। पहिल भुगतान वर्ष 2008 क परीक्षा परिणाम पर होइत आ ओकर बाद संस्थान कए सब साल 30 जून तक परीक्षा परिणाम आ हलफनामा क संग अनुदान क लेल आवेदन करैय पड़त। एखन त सरकार मामूली जांच क बाद अनुदान द रहल अछि, मुदा बाद मे सघन जांच मे यदि कागजात मे देल गेल जानकारी गलत पाउल गेल त संबंधित संस्थान अनुदान स वंचित भ जाइत आ ओकरा स देल गेल अनुदान सेहो वापस ल लेल जाइत।
भेटल जानकारी क अनुसार विभाग कए कुल 1280 वित्तरहित प्रस्वीकृति प्राप्त शिक्षण संस्थान स आवेदन भेटल छल। एहि मे 140 डिग्री कॉलेज, 390 इंटर कॉलेज आ 750 निजी हाई स्कूल शामिल अछि। एहि संस्थान मे स 95 फीसदी क कागजात क जांच भ चुकल अछि आ पूर्व मे अस्वीकृत शेष बचल संस्थान क कागजात क दोबारा जांच क काज सेहो 17 दिसंबर तक समाप्त भ जाइत।
विभाग अनुदान क लेल जे फार्मूला तैयार केने अछि ओकर तहत तहत स्नातक स्तर पर प्रति सफल छात्र 8500 टक , 8000 टका व 7500 टका (तृतीय श्रेणी) क दर स प्रति वर्ष अनुदान देबाक प्रस्ताव अछि, जखन कि स्कूल आ इंटर कॉलेज क लेल सपाट तरीका स तीन हजार आ चारि हजार टका प्रति छात्र-छात्रा निर्धारित करि देल गेल अछि। अनुदान राशि स शिक्षक आ शिक्षकेत्तर कर्मचारन्ी कए वेतन देल जाइत। कोनो परिस्थिति मे एकर विचलन नहि भ सकैत अछि। संबंधित विद्यालय क अनुदान क लेल अधिकतम छात्र-छात्रा क संख्या सरकार निर्धारित करत। वित्तरहित डिग्री कॉलेज क शिक्षक कए सब सालक परीक्षा परिणाम क आधार पर वेतन भेटत।

Tags: वित्तरहित शिक्षण संस्थान
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

जन्म दिन मुबारक हो

Esamaad Epaper Website

62 वर्ष पर सेवानिवृत्त हेताह पशु चिकित्सक

Esamaad Epaper Website

ट्रैफिक नियंत्रण कए पीपीपी मोड मे देबा पर सहमति

Comments 1

  1. Dayakant says:
    13 years ago

    Nitish Jee bahut bahut dhanyabad College aa School me karyarat kateko Shikshak aa shikshakotar ko aab chulha theek dhang se jarat

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि