पटना । विश्वविद्यालय, महाविद्यालय क शिक्षक, शिक्षकेत्तार कर्मचारी आ न्यायिक सेवा क अधिकारी कए एक जनवरी, 2006 क प्रभाव स पुनरीक्षित वेतन भेटत। मंत्रिपरिषद क बैठक मे एकरा मंजूरी द देल गेल। आनो वेतनआदि क मांग कए ल कए ल कए विश्वविद्यालय क कर्मचारी हड़ताल क एलान पर डटल छथि। मंत्रिपरिषद क बैठक क बाद मानव संसाधन विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह कहला जे विश्वविद्यालय अनुदान आयोग क अनुशंसा क आलोक मे पुनरीक्षित वेतन देबाक निर्णय केलक अछि । ओतहि शिक्षकेत्तार कर्मी कए सेहो राज्य क सरकारी सेवक क भांति पहिल जनवरी 06 क प्रभाव स पुनरीक्षित वेतन भेटत। मुदा शिक्षकेत्तर कर्मी कए 1 अप्रैल 2007 क प्रभाव स राज्यकर्मी क भांति आर्थिक लाभ भेटत। वेतन वृद्धि क फलस्वरूप बकाये वेतन क भुगतान सरकारी सेवक क भांति पांच किश्त मे कैल जाएत। न्यायिक सेवा क अधिकारीक भत्ता क मसला पर कैबिनेट क अगिला बैठक मे निर्णय लेल जाएत।