पटना। बिहार दिवस क मौका पर राज्य क बाहर आ दोसर देश मे सेहो बिहार क जलवा दिखबा मे भेटत। बिहार फाउंडेशन क चेयरमैन उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला अछि जे ऑस्ट्रेलिया क सिडनी चौप्टर क सचिव अमित दास क अनुसार ओहि ठाम बिहार क सांस्कृतिक इतिहास पर आधारित फिल्म क प्रदर्शन, व्याख्यान आदि कार्यक्रम प्रस्तावित अछि। एहि अवसर पर बिहारी व्यंजन परोसबाक योजना सेहो छैक।
कनाडा मे बिहार एसोसिएशन क माध्यम स, कैलिफोर्निया मे रवि वर्मा क नेतृत्व मे आ न्यू जर्सी मे बिहार एसोसिएशन आफ नार्थ अमेरिका क तत्वावधान मे 26 मार्च कए बिहार दिवस स संबंधित कार्यक्रम होएत।
दोसर दिस मुंबई क सन्मुखानंद हाल मे सांस्कृतिक संध्या क आयोजन कैल गेल अछि, जाहि मे उदित नारायण आ शोभना नारायण क कार्यक्रम अछि, एहि ठाम बिहार क विभूति स संबंधित एकटा शताब्दी कैलेंडर जारी होएत। एहि ठाम किछु प्रवासी बिहारी कए सम्मानित कैल जाएत। चेन्नई चौप्टर द्वारा कर्नाटक संघ आडिटोरियम मे सत्येन्द्र कुमार ग्रुप क सांस्कृतिक कार्यक्रम होएत, जाहि मे प्रसिद्ध गायिका वाणी जयराम सेहो शामिल हेतीह। बेंगलुरू चौप्टर हॉकी स्टेडियम मे 22 मार्च कए सांस्कृतिक संध्या क आयोजन करि रहल अछि, कोलकाता क महाजाति सदन मे संकल्प ग्रुप द्वारा नृत्य आ नाटक पेश कैल जाएत। हुगली क रवीन्द्र मंच मे सेहो सिने तारिका आ भोजपुरी गायिका प्रतिभा सिंह क कार्यक्रम होएत।
देशक राजधानी दिल्ली मे सेहो एहि अवसर पर बिहार क गौरवशाली विरासत देखबा लेल भेटत। कंस्टीट्यूशन क्लब मे 22 स 28 मार्च तक प्रदर्शनी, हस्तकरघा आ हस्तशिल्प क उत्कृष्ट सामान क बिक्री क आयोजन कैल जा रहल अछि।
एकर अलावा पीएसके लक्ष्मीनगर मे बिहार क कला आ संस्कृति क प्रदर्शनी आ भोजपुरी फिल्म महोत्सव क आयोजन 23 स 25 मार्च तक कैल जाएत।
बिहार क राज्यपाल देवानंद कुंवर 22 मार्च कए सांझा छह बजे कंस्टीट्यूशन क्लब मे बिहार उत्सव क शुभारंभ करताह।
कंस्टीट्यूशन क्लब क परिसर मे हस्तकरघा आ हस्तशिल्प क लगभग 25टा स्टॉल लगाउल जा रहल अछि। स्टॉल क माध्यम स मशहूर भागलपुरी सिल्क, मिथिला पेंटिंग, सिकी स निर्मित सामग्री, भभुआ क पत्थर क आकर्षक हाथी, मेहंदी, मोतीहारी क आकर्षक सीप स निर्मित आभूषण, टेरा कोटा स निर्मित वस्तु, जूट निर्मित वस्तु जेना जूट ज्वेलरी, टिकुली आर्ट क संग-संग नालंदा, बिहार शरीफ क निपुरा सिल्क आ हस्तकरघा स निर्मित बेड-सीट, चादर विशेष रूप स मेला क आकर्षण क केन्द्र रहत।
एकर संगहि बिहारी व्यंजन क स्टॉल क संग-संग प्रतिदिन सांझ खन सांस्कृतिक कार्यक्रम क सेहो आयोजन कैल जा रहल अछि। कंस्टीट्यूशन क्लब मे 26 मार्च कए एकटा सेमिनार क आयोजन कैल जाएत
बिहार उत्सव 2011 क समापन समारोह क आयोजन 28 मार्च कए दिल्ली क सिरी फोर्ट ऑडिटोरियम मे रंगारंग कार्यक्रम क संग कैल जाएत।