पटना। राज्य सरकार आब आगू स मेधा सूची क आधार पर नहि बल्कि लिखित परीक्षा लकए स्कूल शिक्षक क नियुक्ति करत। एकरा लेल राज्य स्तर पर परीक्षा आयोजित कैल जाएत। ओना नियोजन क जिम्मा पूर्व क भांति पंचायत, नगर निकाय आ जिला परिषद आदि कए रहत। मानव संसाधन विकास मंत्री हरि नारायण सिंह एकर घोषणा केलथि। ओ कहला जे राज्य मे 2016 तक समान स्कूल प्रणाली लागू करि देल जाएत। जून तक 34,540 शिक्षक क नियमित नियुक्ति आ अगस्त तक 70 हजार शिक्षक क नियत वेतन पर नियुक्ति कैल जाएत। इंटर कॉलेज मे 9म आ 10म क पढ़ाई आ वित्तरहित विद्यालय क छात्र कए अपन स्कूल स फार्म भरबाकसेहो प्रावधान कैल गेल अछि। सिंह कहला जे सरकार 2010-2011 मे कुल बजट क दोसर सबस पैघ हिस्सा, 12.50 फीसदी, शिक्षा पर खर्च करबाकनिर्णय लेलक अछि।