• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

शुष्क शौचालय क कलंक स मुक्ति नहि

September 28, 2009
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। इ अजीब संयोग अछि, जाहि मामला मे प्रदेश प्रथम साबित भेल, ओहि मामला मे फिसड्डी भ गेल। गप भ रहल अछि केन्द्र प्रायोजित समेकित अल्प लागत स्वच्छता अभियान (आईएलसीएस) क। एहि योजना क तहत शहरी इलाका मे शुष्क शौचालय कए जलवाही शौचालय मे बदलबाक छल। जाहि ठाम शौचालय नहि अछि ओतहि शौचालय क निर्माण कराउल जेबाक छल। दस हजार टका क दर पर बनेवाला शौचालय क लेल 75 फीसदी केन्द्रीय मदद क प्रावधान अछि। बिहार एहि मामला मे अव्वल रहल जे पायलट प्रोजेक्ट क तहत ओ पटना जिला क चारिटा नगर निकाय क लेल 10 करोड़ क योजना बनाकए भारत सरकार स मंजूरी ल लेलक। टका सेहो भेटि गेल। मुदा दोसर पक्ष इ रहल जे पिछला साल जून महीना मे नगर विकास एवं आवास विभाग क तत्कालीन मंत्री भोला सिंह एलान केलथि जे प्रदेश कए शुष्क शौचालय क कलंक स मुक्त कराउल जाइत। गांधी जयंती यानी 2 अक्टूबर, 2009 तक एकर उन्मूलन भ जाइत। एकर बाद एकोटा शुष्क शौचालय प्रदेश मे नहि रहत। निराशाजनक पक्ष इ अछि जे भोला बाबू बिहारक भोला-भाला जनता कए बेवकूफ बनेबाक काज मे लागल रहलथि आ एखन धरि पूरा बिहार त दूर एकटा निकाय तक एकरा स पूर्णत: मुक्त नहि भ सकल अछि।
प्रथम चरण मे पटना जिला मे चारिटा निकाय (दानापुर, फुलवारी, खगौल आ मनेर) क लेल स्वीकृत 9808 शौचालय मे स मात्र 701 क एखन धरि पूरा निर्माण भ सकल अछि। हालांकि नगर विकास क प्रभार लेलाक बाद उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी एहि दिशा मे पहल केलथिअछि। मोदीक कहबा अछि जे करीब 90 हजार शौचालय क निर्माण क प्रस्ताव कए मंजूरी भेटल अछि। चंद औपचारिकता क बाद चरणबद्ध तरीका स निर्माण क काज प्रारंभ भ जाइत। एकरा लेल पूरा राज्य मे सबटा स्थानीय शहरी निकाय स एहि प्रमाण पत्र लेल जाइगा जे हुनकर क्षेत्र मे शुष्क शौचालय नहि अछि।
ज्ञात हुए जे सुलभ आंदोलनक जन्म भेलाक बाद प्रदेश मे माथ पर मैला ढोबाक प्रथा संज्ञेय अपराध बनि चुकल अछि आ शुष्क शौचालय एहि स जुड़ल अछि। उच्चतम न्यायालय एहि मामला क मानीटरिंग सेहो करि रहल अछि। विडंबना इ अछि जे एहि सिलसिला मे किछु वर्ष पूर्व राज्य क सबटा नगर निकाय क कार्यपालक पदाधिकारी प्रतिशपथ पत्र दाखिल करि चुकल छथि जे हुनकर निकाय मे एकोटा कमाऊ शौचालय नहि अछि। एहन मे सर्वोच्च न्यायालय अगर नजर टेढ़ केलक त शपथ पत्र दाखिल करैवाला तत्कालीन अधिकारी क खाट ठार भ सकैत अछि। किया कि अनेक निकाय क ताजा सर्वेक्षण स साफ भ गेल अछि जे ओहि ठाम भारी संख्या मे कमाऊ शौचालय अछि, जेकरा जलवाही शौचालय मे बदलबाक योजना अछि।

Tags: Biharpatnaपटना

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मां क भक्ति क अद्भुत रूप

Esamaad Epaper Website

तमिलनाडु मे बंधक बनल बिहारी पहुंचलथि पटना

Esamaad Epaper Website

एक आओर पुल ध्वस्त, एकटा आओर जान गेल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि