• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

सड़क पर दौडल मर्सिडीज

December 11, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

उदय चटर्जी
पटना।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार राज्य पथ परिवहन निगम क बहुप्रतीक्षित मर्सिडीज बस सेवा क झंडी देखा शुभारंभ केलथि। एहि बसक परिचालन क संग मर्सिडीज बस सेवा वाला बिहार पूर्वी भारतक पहिल राज्‍य भ गेल। एहि बसक परिचालन लोक निजी भागीदारी क तहत प्रारंभ कैल गेल अछि। पहिल चरण में चारि रूट पर कुल नौटा बस क परिचालन शुरू भेल अछि। इ बस सब पटना- रांची, पटना- जमशेदपुर, गया- रांची आ गया- जमशेदपुर तक चलत। लोक निजी भागीदारी क तहत एहि बसक परिचालन गिरीश इंफ्रास्ट्रक्चर प्राइवेट लिमिटेड आ परिवहन निगम आपसी सहयोग स करत। जानकारीक अनुसार एहि बस क दाम करीब एक करोड 40 लाख टका अछि। एहि बस मे ओ सबटा सुविधा अछि जे एकटा अत्‍याधुनिक परिवहन मे देल जा सकैत अछि। बस मे यात्री लेल डीजीटल स्‍क्रीन लागल अछि, स्‍क्रीन डिश टीवी स जुडल अछि, 53टा लैपटॉप आ मोबाइल चार्जेर लेल प्‍वांइट अछि, बस मे वाइफाइ सुविधा अधि जाहि स इंटरनेट निर्बाध गति स चलि सकैत अछि। सब सीट पर रेडियो फोन अछि जाहि पर एफएम सुनबाक सुविधा अछि। एकर अलावा मार्ग आ स्‍थान सूचना देबा क स्‍वचालित व्‍यवस्‍था अछि। यात्री कए सुविधा लेल अखवार आओर पत्रिका क एकटा संग्रह सेहो अछि। यात्राक दौरान भोजन, पाइन क बोतल नि:शुल्‍क देल जा रहल अछि। परिवहन निगम क अनुसार एहि बस क भाडा एकर सुविधा कए देखैत काफी कम राखल गेल अछि। पटना स रांची क भाडा 495 टका राखल गेल अछि, जखन कि पटना स टाटाक भाडा 695 टका अछि। एहिना गया स रांची भाडा मात्र 310टका राखल गेल अछि।
पिछला एक सप्‍ताह पूर्व पंजाबक लुधियाना स पटना पहुंचल एहि बस कए सचिवालय क संवाद परिसर में आयोजित एकटा कार्यक्रम में श्री कुमार पटना- जमशेदपुर बस सेवा क उद्घाटन केलथि। मुख्यमंत्री अत्याधुनिक सुविधा स लैस एहि बस सवारी क पहिल यात्री बनलाह। मुख्यमंत्री आधा किलोमीटर तक सफर करि बस क खूबी परिचित भेलाह। परिवहन मंत्री वृशिण पटेल एहि बस सेवा क दोसर यात्री बनलाह। एहि अवसर पर पटेल कहला जे इ नव शुरुआत अछि। 92टा वातानुकूलित लग्जरी बस क्रय क स्वीकृति देल जा चुकल अछि। स्‍वीकृत बस मे 70टा वोल्‍बो अछि जखनकि बाकी टाटा क अछि। एहि बस कए मुख्‍य रूप स पटना-पूर्णिया, पटना- मधुबनी, पटना- दरभंगा, पटना- मुजफफरपु, पटना-भागलपुर, पटना-गया मार्ग पर चलाउल जाएत। एहि मौका पर कम्पनी क चेयरमैन आ पूर्व सांसद गिरीश संघी सेहो मौजूद छलाह।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

सदन मे उठल मिथिलाक गप

Esamaad Epaper Website

32 साल बाद फेर होएत स्ट्रीट लाइट लेल अलग फेज

Esamaad Epaper Website

धुआ गेल एकटा आर दाग

Comments 2

  1. Anand kumar jha says:
    11 years ago

    vahut,,,khusi vel…..patna sa madhubani kahiya sa chalat se avasya suchit karab…..

    Reply
  2. Dr. Shashidhar Kumar says:
    11 years ago

    नीक बाद । आगा मिथिलाक विभिन्न शहर सँ पटना, राँची, जमशेदपुर आ आन शहरक लेल एहि प्रकारक बसक अपेक्षा रहत ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

by संपादक
February 23, 2019
1

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि