• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सदन मे गूंजल दरभंगा क उपेक्षा क मुद्दा

March 16, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार विधानसभा आ विधान परिषद मे दरभंगाक प्रतिनिधि शहर स ल कए गाम तक क ज्वलंत समस्या पर सरकार स उत्‍तर पूछलथि। विनोद चौधरी, इजहार अहमद आ गोपाल जी ठाकुर सरकार पर एक एक करि सवालक झडी लगा देलथि। दरभंगा जिलाक प्रतिनिधिक एहन सक्रियता हालक वर्ष मे देखबा लेल नहि भेटल छल। खासबात इ सेहो रहल जे जनप्रतिनिधि जे मसला उठेलाह ओ आम जनता स जुडल छल न कि कोनो खास समूह स। सबस पहिने विधायक इजहार अहमद प्रधानमंत्री सडक योजना क तहत निर्मित सिसौनी-पोखराम स बहेड़ी मुख्य पथ कए जोड़बा लेल बनल सडक क हाल पर सरकार स जवाब मंगलथि। डा. अहमद ग्रामीण कार्य मंत्री स पूछलथि जे सड़क बनलाक दू तीन मास बाद सडक एतबा जर्जर कोना भ गेल। ओ कहला जे एहि सडक मे घटिया सामग्री क उपयोग भेल अछि। एहि पर मंत्री कहब छल जे सड़क क निर्माण मानक क अनुसार भेल अछि। सडक अगर जर्जर भ गेल अछि त एकर कारण भारी वाहन आ यातायात अछि। एहि पर डा.अहमद भड़कि गेलाह आ मंत्री कए कहलाह जे अधिकारी अहां कए गुमराह क रहल छथि, जमीनी सच्‍चाई स अहां दूर छी। डा अहमद क तेवर देख मंत्री कहला जे प्रधान सचिव स सड़क निर्माण क जांच होएत आ अहां हुनकर संग रहब।
एकर बाद बेनीपुर स्थित कर्पूरी ठाकुर बाबा नागार्जुन स्टेडियम क जीर्णोद्धार क संबंध मे सरकार स सवाल पूछल गेल। एहि संबंध मे विधायक गोपाल जी ठाकुर क सवाल क उत्‍तर दैत खेल मंत्री सुखदा पांडेय कहलथि जे निधि उपलब्ध भेलाक तुरंत बाद उक्त स्टेडियम क जीणोद्धार कार्य लेल जिला प्रशासन कए कहल जाएत। मंत्री सुखदा पांडेय कहलथि जे शांति नायक उच्च विद्यालय बहेड़ी क प्रांगण मे स्टेडियम क निर्माण कार्य लेल 24 लाख 97 हजार टका उपलब्ध कराउल गेल अछि।
दोसर दिस विधान परिषद मे सेहो दरभंगा क नाम गुंजल। विनोद कुमार चौधरी दरभंगा स संबंधित कईटा मसला एक संग उठेलथि। ओ नगर विकास विभाग क मंत्री स डीएमसीएच क स्त्री आ प्रसूति विभाग मे जल जमाव आ रामबाग परिसर स्थित धार्मिक स्थल मे पसरल गंदगी पर सरकार स जबाव मंगलथि। विनोद कुमार चौधरी कहला जे डीएमसीएच क गायनिक वार्ड मे जल जमाव अछि। एहि स रोगी आ हुनकर परिजन कए भारी कठिनाई होइत अछि। एकर अलावा केडिया सर्जिकल स होटल पी एण्ड पी तक सड़क पर सेहो जल जमाव रहैत अछि। एहि पर नगर विकास मंत्री प्रेम कुमार कहला जे डीएमसीएच परिसर क जल निकासी अल्लपट्टी रेलवे पुल स पूरब छपरा घाट दिस होइत अछि। एहि मे निजी स्वामित्व क किछु भूमि अछि। भूमि क अधिग्रहण करि नाला बनाउल जा रहल अछि। नाला निर्माण क 82 प्रतिशत काज पूरा भ चुकल अछि। श्री चौधरी क सूची लंबा छल ओ शहर क राम बाग स्थित ऐतिहासिक धार्मिक स्थल गोसाउनिक घर क सामने अनाधिकृत लोक द्वारा व्यावसायिक आयोजन पर सवाल उठेलथि आ कहला जे एहि आयोजन क कारण जूठ पत्तल आ दुर्गध लोकक मंदिर परिसर क प्रति आस्‍था प्रभावित क रहल अछि। एहि पर मंत्री कहला जे कानूनी कार्रवाई करबा लेल दरभंगा क जिला प्रशासन आ नगर आयुक्त कए पत्र लिखल जा रहल अछि। परिसर क आस्‍था कोनो हाल मे बहाल राखल जाएत। दूनू सदन मे जाहि रूप स दरभंगाक मसला उठि रहल अछि इ एकटा सकारात्‍मक संदेश द रहल अछि। उम्‍मीद अछि जिलाक बाकी प्रतिनिधि सेहो सदन मे समस्‍या कए उठेबाक प्रयास करताह।

Tags: Bihardarbhangapatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

टूरिस्ट सर्किट मे शामिल भेल दरभंगा आ मधुबनी

Esamaad Epaper Website

पटना आ मोकामा मे एहि साल शुरू होएत पुल निर्माण

Esamaad Epaper Website

हम रही बा नहि रही, महोत्‍सव होइत रहत : पिंटू

Comments 2

  1. girijesh jha says:
    13 years ago

    aabo jagu mithila washi ham sab mithila washi sab s aagu chhi dharti s l k chandrma tak pahuch gelo aabo bachabu apan bhasha ke apan bachha ke jaroor sikhabu apan matri bhasha hamar vinti achhi . jai mithila.

    Reply
  2. girijesh jha says:
    13 years ago

    apan matri bhoomi ke nahi bisharu yo mithila washi ant samay me maa ke mamta kaj aayat. ki hamar mata ke tarah kaj aayat

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि