• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

सरकार कए डूबा कए रहत नगर विकास विभाग

May 18, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

मानसून दुहारि पर आ भेल नहि 25 फीसदी नाला क उड़ाही
पटना।
नीतीश सरकार जून मे अपन रिपोर्ट कार्ड देत, मुदा एखन धरि जे हालात अछि ओहि मे नगर विकास विभाग अपन कार्य प्रणाली क कारण सबस खराब स्थान पर कब्जा केने अछि। एहि विभागक योग्यता इ अछि जे इ अपने त फेल करबे करत, एहि बरसात मे नीतीश सरकार कए सेहो डूबा सकैत अछि। कहल जाइत अछि जे नीतीश सरकार पटना कए छोडि़ आन कोनो शरि पर ध्यान नहि द रहल अछि आ सबटा विकास पटना मे देखबा मे भेटैत अछि। लेकिन हालत इ अछि जे मानसून दुहारि पर अछि आ राजधानी क 75 फीसदी नाला आ मैनहोल जाम अछि। एहन मे राजधानी पर एक बेर फेर स डूबबाक खतरा मंडरा रहल अछि। आम लोग क अलावा नगर निगम क अधिकारी आ कर्मचारी सेहो सशंकित छथि। नाला क सफाई चलि रहल अछि, मुदा एखन धरि 25 फीसदी नाला क उड़ाही नहि भ सकल अछि। मैनहोल आ कैचपिट क सफाई क आंकड़ा सेहो 35 फीसदी कए पार नहि करि सकल अछि। अमूमन 15 जून तक मानसून अपन उपस्थिति दर्ज करा दैत अछि। एहि साल लोक कए जलजमाव स छुटकारा भेटत, एहि संबंध मे निगम क अधिकारी आश्वस्त नहि दथि।
दू साल पहिने 10 दिन तक राजेंद्रनगर मे नाव चलल छल। मुख्यमंत्री कहने छलाह, अगिला एक-दू साल मे पटना कए जल जमाव स मुक्ति भेट जाएत। ज्ञात हुए जे राज्यक उपमुख्यमंत्री आ नगर विकास मंत्री राजेंद्रनगर मे रहैत छथि, तखन एहि मोहल्लाक इ हाल अछि। दू माह मे 25 फीसदी सफाई नहि भ सकल अछि एहन मे कोनो सोचल जा सकैत अछि जे जून मे सफाई काज पूरा करि लेल जाएत। बरसात स पहिने बचल 75 फीसदी सफाई कोना होएत, एहि पर निगम क अधिकारी चुप्पी साधि लैत छथि। निगम सूत्र क कहब अछि जे नहि मजदूर अछि आ नहि उपकरण। 30 जून स पहिने मात्र कागज पर नाला, मैनहोल आ कैचपिट क सफाई भ सकैत अछि। मशीन नहि रहबा क कारण भूगर्भ नाला क सफाई संभव नहि अछि।
बांकीपुर अंचल
खुलल नाला क लंबाई : 1,09,100 वर्गफीट
साफ भेल: 42,015 वर्गफीट
कुल मैनहोल : 2768
साफ कराए गए : 1316
कुल कैचपिट : 4456
साफ भेल : 1690
कंकड़बग अंचल
खुलल नाला क लंबाई : 2,55,350 वर्गफीट
साफ भेल : 26,950 वर्गफीट
कुल मैनहोल : 8760
साफ भेल : 2909
कुल कैचपिट : 13,306
साफ भेल : 3070
पटना सिटी अंचल
खुलल नाला क लंबाई : 3,87,750 वर्गफीट
साफ भेल : 1,18,400 वर्गफीट
कुल मैनहोल : 145
साफ भेल : 119
कुल कैचपिट : 198
साफ भेल : 194
नूतन राजधानी अंचल
खुलल नाला क लंबाई : 4,22,609 वर्गफीट
साफ भेल : 78,227 वर्गफीट
कुल मैनहोल : 11,858
साफ भेल : 3,277
कुल कैचपिट : 11,476
साफ भेल : 2369

Tags: patna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

दीघा आईटीआई कैंपस : 465 कए भेटल नियुक्ति पत्र

Esamaad Epaper Website

फूड प्रोसेसिंग मे कनाडा देत तकनीकी सहयोग

Esamaad Epaper Website

ममता जी पहिने सलीका सीखू, फेर सिखाउ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि