• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

शाही सबस धनीक त जनार्दन सब स ठनठन मंत्री

January 2, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन संपत्ति क पूरा विवरण द देलथि अछि। मुख्यमंत्री सचिवालय क अनुसार सब मंत्री अपन संपत्ति क पूरा विवरण मुख्यमंत्री कए सौंप देलथि अछि। कैबिनेट सचिव अफजल अमानुल्लाह स जखन एहि संबंध मे गप भेल त ओ कहला जे पूरा विवरण कए वेबसाइट पर रा‍खि‍ देल गेल अछि। नीतीश सरकार में सबस धनीक मानव संसाधन मंत्री पीके शाही छथि, हुनका लग करीब चार‍ि करोड क संपत्‍त‍ि अछि, जखन कि श्रम मंत्री जनार्दन सिंह सिग्रीवाल क लग मे सबस कम राशि अछि। हुनका लग मे नकद क नाम पर मात्र पांच हजार टका अछि आ वाहन क नाम पर एकटा मार्शल जीप। 10 ग्राम सोना अछि आ 6 लाख क एलआइसी। पैतृक जमीन जरूर अछि मुदा सिग्रीवाल सेहो कर्जदार छथि।
मंत्री द्वारा संपत्ति क विवरण मे बड रोचक अंदाज मे जानकारी देल गेल अछि। गाय स लकए स्कूटर आ रिवाल्वर आ रायफल तक क सूचना सेहो अछि। पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव कहला जे हुनका लग मे वाहन क नाम पर दूटा अंबेसडर कार आ एकटा स्कूटर अछि। खाद्य आपूर्ति एवं उपभोक्ता मामला क मंत्री श्याम रजक क बैंक मे 2.64 आ 4.66 लाख टका अछि। दसटा एलआईसी पालिसी अछि आ दस हजार क बांड। पटना मे दूटा प्लाट अछि, मुदा ओ कर्जदार सेहो छथि। विधि मंत्री नरेंद्र नारायण यादव क लग मे नकद केवल 85 हजार टका अछि। एकटा बोलेरो अछि। तीनटा बैंक एकाउंट आ ओहि मे 41 हजार टका अछि। कनिया लग मे 50 ग्राम सोना आ दूटा गाय अछि। नरेंद्र नारायण यादव सेहो कर्जदार छथि। विज्ञान आ प्रौद्योगिकी मंत्री गौतम सिंह अपन रायफल आ रिवाल्वर तक क जानकारी सार्वजनिक करि देलथि अछि। हुनका लग मे एकटा स्कार्पियो अछि। एक लाख क एनएससी आ तीनटा पैतृक मकान अछि। तीनटा बैंक एकाउंट अछि। एकटा एकाउंट मे 8.11 लाख जमा अछि।

नीतीश कुमार, मुख्यमंत्री चल सम्पत्ति । नकद-31760, बैंक मे जमा करीब 57 हजार, कार 2003 माडल क सैंट्रो, 47 हजार क गहना आ करीब 1.67 लाख क गाय, टीवी-फ्रिज, एसी, कूलर आदि)। अचल सम्पत्ति: दिल्ली मे फ्लैट, वर्तमान मूल्य 40 लाख। देनदारी: पटना एसबीआई सचिवालय शाखा मे 1.93 लाख क कर्ज। पुत्र निशांत क नाम 1769 नकद, बैंक मे जमा करीब 41 लाख, विभिन्न फंड मे करीब 1.10 लाख बाजार मूल्य, डाकघर योजना मे करीब 14 लाख, स्वर्णाभूषण- 9.2 लाख, कृषि भूमि- 6 एकड़ 96 डिसमिल वर्तमान बाजार मूल्य 31.34 लाख। गैर कृषि भूमि-कल्याण बिगहा मे 7 डिसमिल आ पीपुल्स को-आपरेटिव कालोनी कंकड़बाग मे 2524 वर्गफुट मे मकान, आवासीय/व्यावसायिक भवन-कल्याण बिगहा मे 1.31 लाख क आ बख्तियारपुर मे 8.27 लाख क।
सुशील कुमार मोदी, उप मुख्यमंत्री नकद करीब 26 हजार, बैंक मे 10.56 लाख। बांड-शेयर आदि 1.83 लाख। एनएससी-एलआईसी 1.89 लाख। मारूति स्विफ्ट। आभूषण 1.52 लाख। अन्य सम्पत्ति 5.26 लाख। गाजियाबाद मे पत्नी क साथ संयुक्त नाम पर 1610 वर्गफुट 14.49 लाख आ यूपी क गौतम बुद्ध नगर मे पत्नी क संग संयुक्त 36.70 लाख क भवन। देनदारी आईसीआईसीआई दिल्ली क 29.50 लाख। रिश्तेदार स 10.70 लाख क कर्ज। सरकारी बकाया 2.50 लाख। पत्नी क नाम नकद 9400, बैंक मे 15 लाख, बांड-शेयर मे 30700, एनएससी-एलआईसी 1.33 लाख, आभूषण 6.84 लाख। पुत्र उत्कर्ष क नाम नकद 6500, बैंक मे 6.45 लाख, बांड-डिबेंचर 1800, डाकघर मे 2.22 लाख। आभूषण 85500 क। दोसर पुत्र अक्षय क लग मे नकद 5500, बैंक मे करीब 7 लाख। बांड-शेयर आदि मे 1800, डाकघर मे 2.22 लाख। आभूषण 76000 क।
नंदकिशोर यादव, पथ निर्माण मंत्री 15 हजार नकद, बैंक मे जमा करीब 18 लाख, एनएससी आ एलआईसी प्रीमियम 1.09 लाख, दूटा एम्बेसडर कार आ बजाज स्कूटर आ 2.02 लाख क आभूषण। एकर अलावा 17 लाख क गैर कृषि भूमि आ फतुहा मे औद्योगिक परिसर मे 10 लाख क प्लाट। देनदारी शून्य।
रमई राम, राजस्व मंत्री नकद 25 हजार, बैंक एफडी 9.91 लाख, बैंक मे जमा करीब 12 लाख। एनएससी-एलआईसी करीब 4.90 लाख। एम्बेसडर कार। स्वर्णाभूषण 1.30 लाख। मुजफ्फरपुर मे 2 लाख क जमीन। पत्नी क नाम नकद 1 लाख, बैंकों मे करीब 8 लाख, एनएससी-एलआईसी करीब 90 हजार आ 4.17 लाख क आभूषण। मुजफ्फरपुर मे तीनटा स्थान पर करीब 14.50 लाख क 172 डिसमिल जमीन। मुजफ्फरपुर आ पटना मे 50 लाख क व्यावसायिक आ आवासीय भवन।
वृशिण पटेल, सूचना मंत्री नकद 5 लाख। बैंक मे जमा 18.76 लाख। बांड-डिबेंचर आदि 5.50 लाख, एनएससी-एलआईसी आदि करीब 5 लाख। मारूति स्विफ्ट कार। कृषि भूमि 32.5 लाख, पटना मे 48.50 लाख आ हाजीपुर मे 38.25 लाख क भवन। पत्नी क बैंक मे जमा 5.15 लाख, एनएससी-75 हजार, आभूषण 5.24 लाख लगभग। पुत्री क नाम बैंक मे 1.21 लाख। देनदारी शून्य।
स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी चौबे: नकद 55 हजार, बैंक मे 5.14 लाख, डाकघर-एलआईसी आदि 8.29 लाख, टाटा सफारी, आभूषण- करीब 2.39 लाख। कृषि आ पैतृक भूमि 15 लाख। संयुक्त भवन 7 लाख क। बैंक लोन 5.26 लाख। सरकारी बकाया 34586 रुपए। पत्नी क नाम नकद 90 हजार, बैंक मे 1.38 लाख। डाकघर-एलआईसी मे 13.40 लाख। आभूषण करीब 5 लाख। पटना क एसके पुरी मे फ्लैट 34.71 लाख क। सरकारी बकाया 2 लाख।
विजय कुमार चौधरी, जल संसाधन मंत्री नकद 24 हजार, बैंक मे 1.90 लाख, शेयर 1.50 लाख, दूटा बीमा पालिसी 1.30 लाख, मारूति अल्टो, आभूषण 20 हजार। अचल सम्पत्ति-कृषि भूमि समस्तीपुर मे 12 कट्ठा 16 धुर 25 लाख क, समस्तीपुर मे चारि लाख क भवन। देनदारी शून्य। पत्नी क लग मे नकद 1.54 लाख, बैंक मे 13705 टका, यूटीआई मे 30 हजार, दूटा बीमा पालिसी 79 हजार, आभूषण 4 लाख, अन्य सम्पत्ति 11.89 लाख। अचल सम्पत्ति- पटना क गोला रोड मे 2.75 कट्ठा 8 लाख रुपए क।
चंद्रमोहन राय, लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण मंत्री नकद 20 हजार, बैंक मे संयुक्त खाता सहित करीब 25 लाख, म्युचुअल फंड-शेयर मे करीब 23 लाख, एसबीआई मे एफडी 1 लाख। तवेरा 5.75 लाख। अचल सम्पत्ति- कृषि भूमि राम नगर मे 5.64 लाख। भवन पैतृक 2 लाख, ग्रेटर नोयडा मे फ्लैट 800 वर्गफुट 10 लाख क, दोनाली बंदूक 15 हजार क, राइफल 30 हजार क। देनदारी शून्य। पत्नी क नाम नकद 10 हजार, बैंक मे 3.57 लाख, एफडी 2.42 लाख, बीमा 8.19 लाख, आभूषण 3 लाख। अचल सम्पत्ति 8.10 लाख क। भवन पटना क जमाल रोड मे 20 लाख क फ्लैट।
परवीन अमानुल्लाह, समाज कल्याण मंत्री नकद 30 हजार, बैक मे 2.64 लाख, शेयर 1.20 लाख, बीमा 5 लाख, स्कार्पियो, आभूषण 15 लाख, .22 बोर क रिवाल्वर 40 हजार क। अचल सम्पत्ति – कृषि भूमि पटना मे 20 कट्ठा पांच लाख क। नयी दिल्ली क मयूर विहार मे फ्लैट 25 लाख क। पति अफजल अमानुल्लाह वरीय आईएएस अधिकारी । नकद 96 हजार, बैंक मे 10.29 लाख, शेयर-बांड आदि मे 2 लाख, बीमा 6.75 लाख, मारूति वैगन-आर, आभूषण 4 लाख, रिवाल्वर 67 हजार क, राइफल 30 हजार क, दोनाली बंदूक 20 हजार क। अचल सम्पत्ति- गैर कृषि भूमि पटना मे 2.1 कट्ठा 5.5 लाख क। एकर अतिरिक्त पटना, पुणे मे भवन-सम्पत्ति।

Tags: बिहार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

नव साल मे ममता देलथि पटना कए सनेस

पर्यटक क भीड स गदगद रहल बिहारक धरती

मंडी हाउस मे विलाप

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि