• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सिविल कोर्ट कर्मी कए छठा वेतन क तोहफा

November 27, 2009
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। राज्य सरकार आब सिविल कोर्ट क कर्मी पर मेहरबान भ गेल अछि। हुनकरो राज्यकर्मी क भांति छठा वेतन क फायदा देबाक निर्णय कएल गेल अछि। एहि स करीब 9500 कर्मी कए वेतन वृद्धि क लाभ भेटत। लाभ ओहि तिथि स भेटत, जेहि तिथि स राज्यकर्मी कए भेट रहल अछि। सर्वोच्च न्यायालय आ पटना उच्च न्यायालय क आदेश क आलोक मे इ निर्णय कएल गेल अछि। एखन धरि हुनका शेट्टी कमीशन क सिफारिश क आलोक मे वेतन क भुगतान भ रहल छल। गुरुदिन क राज्य मंत्रिपरिषद क बैठक मे एहि स संबंधित प्रस्ताव कए मंजूरी देल गेल। एकरा अतिरिक्त नियत वेतन पर नियुक्त शिक्षक क वेतन वृद्धि, प्रथम श्रेणी स पास होबै वाली छात्रा कए दस हजार टका, शहरी किसान कए डीजल अनुदान, पटना मे अंतरराष्ट्रीय स्तर म्यूजियम क स्थापना क प्रस्ताव कए सेहो मंजूरी देल गेल, जेकर संबंध मे रिपोर्ट कार्ड पेश करैत मुख्यमंत्री 24 नवंबर कए घोषणा केने छलाह।
बैठक क बाद कैबिनेट सचिव गिरीश शंकर कहला जे शैक्षणिक सत्र 2008-09 मे राज्य क माध्यमिक विद्यालय स बिहार विद्यालय परीक्षा समिति क दसवीं कक्षा मे प्रथम श्रेणी स पास होबै वाली 37 हजार 707 छात्रा कए मुख्यमंत्री बालिका प्रोत्साहन योजना क तहत प्रति छात्रा दस हजार टका प्रोत्साहन राशि देल जाइत। एकरा लेल 37.70 करोड़ टका क मंजूरी देल गेल अछि। राज्य क माध्यमिक, उच्च माध्यमिक आ प्राथमिक विद्यालय क 2 लाख 21 हजार 500 शिक्षक कए एक अप्रैल 2010 स एक हजार टका अतिरिक्त मासिक मानदेय क भुगतान कएल जाइत। इ राशि नियमित वृद्धि क अतिरिक्त होइत। माध्यमिक आ उच्च माध्यमिक विद्यालय क करीब 11500 शिक्षक क लेल 28.20 करोड़ आ प्रारंभिक विद्यालय क 2.10 लाख नियोजित शिक्षक क लेल 142 करोड़ टका क मंजूरी देल गेल अछि।
चालू वर्ष क रबी मौसम मे सरकार शहरी इलाका मे खेती करै वाला किसान कए सेहो 15 टका प्रति एकड़ क दर स तीन सिंचाई क लेल अधिकतम 450 टका डीजल अनुदान देबाक निर्णय कएल गेल अछि। पहिने इ सिर्फ ग्रामीण किसान क लेल छल। शहरी इलाका मे प्रखंड विकास पदाधिकारी क माध्यम स राशि क वितरण होइत। चिह्नवाक काज सेहो हुनके रहत। कुल डीजल अनुदान क लेल 318 करोड़ टका क मंजूरी देल गेल अछि। संग खरीफ विपणन मे धान-चावल क अधिप्राप्ति क लेल केन्द्र सरकार द्वारा निर्धारित न्यूनतम समर्थन मूल्य आ बोनस क अतिरिक्त राज्य सरकार किसान क 50 टका प्रति क्विंटल क दर स अतिरिक्त प्रोत्साहन राशि क लेल 35 करोड़ टका क मंजूरी देल गेल अछि। पटना मे अंतरराष्ट्रीय स्तर क संग्रहालय क निर्माण क प्रस्ताव कए सेहो कैबिनेट हरी झंडी द देल गेल।
बैठक मे पटना दंत महाविद्यालय आ अस्पताल मे भारतीय दंत परिषद क मापदंड क अनुरूप शैक्षणिक आ गैर शैक्षणिक पद कए मिलाकर 66 अतिरिक्त पद क सृजन क मंजूरी देल गेल। स्वास्थ्य विभाग क एकटा अन्य प्रस्ताव पर चर्चा क बाद इंदिरा गांधी आयुर्विज्ञान संस्थान शेखपुरा क क्षेत्रीय कैंसर संस्थान कए समृद्ध बनबाक लेल चालू वर्ष मे केमोथेरापी डे-केयर यूनिट क निर्माण क लेल 4.14 करोड़ टका क मंजूरी देल गेल।

Tags: Biharcivil court

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

दू वर्ष मे पूरा भ जाइत एसएच क आधा दर्जन सड़क

Esamaad Epaper Website

पुलिस एकेडमी क लेल भवन निर्माण क कवायद शुरू

Esamaad Epaper Website

मुजफ्फरपुर में सेहो होइत विदेशी मुद्रा विनिमय

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि