• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

सुलभ बनेलक मानव मल स बिजली

June 4, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

“हम एकटा एहन तकनीक आओर ओकरा ओकरा लेल डिजाइन तैयार केलहुं अछि जाहि स अहां मानव मल स बिजली पैदा करि सकैत छी। एखन धरि मवेशी क गोबर पर आधारित बॉयोगैस संयंत्र क बारे मे अपने लोकनि सुनने आ देखने होएब। इ मानव मल पर आधारित बॉयोगैस स संभव अछि। एकरा लेल हम एकटा जेनरेटर विकसित केलहुं अछि जाहि मे डीजल क जरूरत नहि अछि। इ 100 फीसदी मानव मल स उत्पन्न बॉयोगैस पर काज करि रहल अछि।”
सुलभ संस्थापक आ स्टॉकहोम वाटर प्राइज विजेता डा विंदेश्वर पाठक

नई दिल्ली। कियो ठीक कहल क अछि जे जखन कियो गंदगी क परिभाषा बदलबाक ठानि लैत अछि तखन जे परिवर्तन अबैत अछि ओहि स समाज कए सबस बेसी भला होइत अछि। किछु एखने काज करबा मे लागल छथि मिथिला पुत्र विन्‍देश्‍वर पाठक। स्वच्छता क क्षेत्र मे दुनियाक अग्रणी संगठन सुलभ इंटरनेशनल इ तकनीक विकसित केलक अछि जाहि स अहां शौचालय क टंकी मे राखल मल स एतबा बिजली पैदा करि सकैत छी जाहि स अहांक घरक लगभग सबटा जरूरी काज पूरा भ सकैत अछि।
अपन एहि अदभुत तकनीक क सफल प्रयोग पर सुलभ इंटरनेशनल क संस्थापक डाक्टर विंदेश्वर पाठक कहला अछि जे हुनक संस्‍था एकटा एहन तकनीक विकसित केलक अछि जाहि स मानव मल स भरपूर बिजली पैदा कैल जा सकैत अछि। ओ कहला स एहि तकनीक पर बहुत दिन स शोध भ रहल अछि मुदा इ कहबा मे खुशी भ रहल अछि जे आखिरकार एहि तकनीक क सफल प्रयोग करि लेल गेल अछि। सुलभ अपन पालम स्थित कार्यालय क एकटा सार्वजनिक
शौचालय मे जेनरेटर स्थापित केलक अछि, जे मानव मल स बिजली उत्पन्न करि रहल अछि। एहि जेरनेटर क बिजली उत्पादन क्षमता 3.5 केबी अछि। जाहि स 30 यूनीट तक बिजली पैदा भ रहल अछि।
डॉ. पाठक कहला जे एहि तकनीक क सबस पैघ विशेषता इ अछि जे एहि प्रणाली क तहत मानव मल कए फ्लश क पानी क संग बॉयोगैस संयंत्र तक पठेबाक व्यवस्था कैल गेल अछि। एहि मे मल कए मैन्युअल तरीका स देबाक जरूरत नहि अछि।
ओ कहला जे बॉयोगैस कए विभिन्न उदेश्‍य क लेल प्रयोग होइवाला एकटा बहुउदेश्यीय बॉयोगैस संयंत्र क डिजाइन सेहो तैयार कैल गेल अछि, जेकरा सार्वजनिक शौचालय स आसानी स जोडल जा सकैत अछि।
ओ कहला जे इ तकनीक स बनल बिजली क प्रयोग भोजन बनेबा लेल, प्रकाश आओर बिजली स जुड़ल अन्य काज क लेल कैल जा सकैत अछि। बॉयोगैस संयंत्र मे बहुत सामान्य विधि स रंगरहित, गंधरहित आओर पैथोगन मुक्त गैस तैयार कैल जाइत अछि। एहि बॉयोगैस संयंत्र कए हाउसिंग कॉलोनी या कोनो बहुमंजिला मकान वाला सोसाइटी मे आसानी स स्थापित कैल जा सकैत अछि।
खुलल मे शौच कए लकए स्वास्थ्य संबंधी ढेर बीमारी होइत अछि। एहन मे मानव मल स बॉयोगैस पैदा करबाक एहि तकनीक क पैघ स्तर पर प्रयोग कैल जा सकैत अछि। खासकए सार्वजिनक शौचालय स तैयार कैल गेल बॉयोगैस क ढेर फायदा अछि। एहि स्‍थान पर बॉयोगैस डाइजेस्टर स्थापित करि स्वच्छता आ सामुदायिक स्वास्थ्य क क्षेत्र मे उल्लेखनीय लाभ हासिल कैल जा सकैत अछि।
गौरतलब अछि जे सुलभ एसईटी (सुलभ बॉयोगैस प्लांट इफ्यूलेंस ट्रिटमेंट) क नाम स ढेर प्रयोग करि रहल अछि, जाहि स बॉयोगैस संयंत्र कए आओर बेसी उपयोगी बनाउल जा सकए। एहि प्रयोग क तहत सुलभ पैथागॉन मुक्त बॉयोगैस पैदा केलक अछि, जाहि मे बॉयोकैमिकल ऑक्सीजन मौजूद रहैत अछि, जेकरा पानी मे आसानी स छोडल जा सकैत अछि। एहि स जल प्रदूषण क खतरा नहि क बराबर रहैत अछि।
उल्लेखनीय अछि जे सुलभ संस्थापक कम दाम पर शौचालय क शुरुआत बिहार क पटना स केने छथि, जे सुलभ शौचालय क नाम स देश भरि मे लोकप्रिय अछि। एकर प्रयोग हर दिन 10 मिलियन लोक करैत अछि। एखन धरि सुलभ इंटरनेशनल लगभग 7,500 सार्वजनिक शौचालय तैयार केने अछि। शौचालय क तहत स्वच्छता संबंधी सुविधा मुहैया करेबा स डॉ. पाठक समाज मे अलख जगा रहल छथि। सुलभ इंटरनेशनल सोशल सर्विस ऑर्गेनाइजेशन स्वच्छता क क्षेत्र मे क्रांति क मिसाल कायम केने अछि। संगहि इ लोकक सोच मे सेहो बदलाव अनबाक कोशिश केलक अछि।

Tags: विंदेश्वर पाठकसुलभ
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

पटना एयरपोर्ट देश मे अव्वल

Esamaad Epaper Website

गरीब बच्‍चा लेल हर हाल मे खुलत स्‍कूलक केबार: निशा झा

Esamaad Epaper Website

नीतीश 12 कए जेताह चीन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि