• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

सोचने नहि रही पुरस्‍कार भेटत : माया नाथ

August 17, 2011
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

ले.क. मायानाथ झा कए हुनक पहिल पुस्‍तक ”जेकर नारी चतुर होई” लेल एहि साल क साहित्य अकादेमी क बाल साहित्य पुरस्कार देबाक घोषणा कैल गेल अछि। मधुबनी जिलाक भराम गाम क रहनिहार माया नाथ झा सेना डाक सेवा कोर स सेवानिवत्‍त भ गाम मे रहैत छथि। बाल कथा स अपन रचनाशीलता कए दुनियाक समझ अननिहार माया बाबू क एहि उपलब्धि पर इ’समाद क संपादक कुमुद सिंह आ पत्रकार आशीष झा हुनका स लंबा चर्च केलथि। प्रस्‍तुत अछि ओकर किछु अंश:-

प्र : माया बाबू सबस पहिने एहि पुरस्‍कार लेल अहां कए बधाई आ शुभकामना।
उ : धन्‍यवाद, हम अहांक इ बधाई स्‍वीकार करैत छी, मुदा एखन धरि हमरा आधिकारिक रूप स एहि संबंध मे कोनो सूचना नहि अछि। मीडिया क माध्‍यम स आइ भोर मे हमरा इ पता चलल अछि।

प्र : एहि पुस्‍तक स पूर्व सेहो कोनो रचना केने छी अहां।
उ : नहि, इ हमर पहिल किताब छी, एकर बाद जरूर हम कईटा किताब लिखलहुं अछि। एहि साल हमर किताब आयल अछि ‘ईजोत’। इ किताब सेहो हम बच्‍चा कए ध्‍यान मे राखि कए लिखने छी।

प्र : सेना क नौकरी क बाद एहि प्रकारक साहित्‍य यात्रा पर कोना निकललहुं।
उ : सेना क नौकरी त अहां जनैत छी केतबा व्‍यस्‍त आ अनुशासित होइत अछि। सेवा काल समाप्‍त हेबा स किछु दिन पहिने 2005 मे दरभंगा आयल रही। सेवा काल क बाद आगूक जिनगी क कोनो योजना ता धरि नहि बनल छल। एक दिन बच्‍चा सब कए खिस्‍सा सुनबैत रही, तखने हमर एकटा जेठ संबंधी हमरा एहि खिस्‍सा सब कए लिखबाक आइडिया देलथि। हमरा खिस्‍सा सुनैत आ खिस्‍सा कहैत सब दिन नीक लागल, मुदा सिस्‍सा लिखबाक विचार कहियो नहि केने रही। अपन संबंधी क एहि विचार कए तत्‍काल मानि हम अपन पहिल कथा संग्रह लेल सिस्‍सा लिखब शुरु केलहुं। 2006 मे जखन रिटार्यड भ गाम एलहुं त इ पुस्‍तक कए संपूर्ण केलहुं।

प्र : इ किताब लिखबा काल उम्‍मीद छल जे एकरा साहित्‍य अकादमी पुरस्‍कार भेटत।
उ : उम्‍मीद त नहि छल, मुदा जखन प्रूफ पढबा लेल एकटा मित्र कए देलहुं त ओ इ कहला जे किछु खिस्‍सा अगर आर जोडि देल जाए त इ किताब 120 पेजक भ जाएत। एहि कारण स किछु खिस्‍सा हम बाद मे लिखने रही। पुरस्‍कार भेटत से त नहि हां पुस्‍तक पुरस्‍कारक मानक जोकर जरूर लिखने रही।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

प्र : किताब लिखबा मे अहांक परिवार केतबा मदद केलक।
उ : हमर परिवार क जहां धरि प्रश्‍न अछि त हमर कनिया आ खास कए हमर पुत्र अंकित हमरा हरदम मदद केलथि अछि। किताब क मुख्‍य खिस्‍सा ‘जेकर नारी चतुर होई’ कए आवरण बनेबाक विचार भेल त सबस पैघ संकट छल बग्‍गी वाला फोटो। दरभंगा मे एहन कोनो फोटो उपलब्‍ध नहि भेल। ओहि समय मे हमर पुत्र लंदन मे छलाह। ओ ओहि ठाम स फोटो मेल केलथि जे किताब क आवरण बनल।

प्र : मैथिली मे नव लेखक क भविष्‍य केहन।
उ : उत्‍तम, एहि स बेसी आर की कही, हमर पुस्‍तक कए पुरस्‍कार आब भेटल अछि मुदा जेतबा छपेने रही लगभग सबटा बिका गेल। फेर स छपेबा लेल विचार कए रहल छी। मैथिली मे पाठक कम अछि, मुदा नीक किताब लोक कीन रहल अछि। नीक लेखक सामने आबि रहल अछि। किछु नवतुरिया नीक लिख रहल छथि, ओना हमहुं त एहि दलान पर नवतुरिये छी।

प्र : एहि पुरस्‍कार क बाद हम सब अहां कए अगिला कथा संग्रह कहिया धरि पढब।
उ : हमर सतत लिख रहल छी, हिंदी, अंगरेजी आ मै‍थिली मे हमर कईटा पुस्‍तक अंकित प्रकाशन स बाजार तक पहुंच चुकल अछि। निश्चित रूप स इ पुरस्‍कार भेटला स मैथिली मे लिखबाक उत्‍साह बढत आ हमर नव रचना शीघ्र अहां सबहक हाथ मे रहत।

प्र : माया बाबू इ’समाद स गप करबा लेल बहुत बहुत धन्‍यवाद।
उ : अहूं दूनू गोटे कए बहुत बहुत आशीष।

Tags: darbhangamaithilimayanathmithila
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

असंगठित क्षेत्र क श्रमिक कए अनुदान देनिहार पहिल राज्‍य बनल बिहार

आंगुर पर नचैत विधाता

Esamaad Epaper Website

आकाश भेल अप्‍पन, जल्द शुरू होएत दरभंगा आ पूर्णिया स हवाई सेवा

Comments 3

  1. प्रकाश says:
    11 years ago

    वाह.. ई भेल प्रत्रकारिता… ई-समादक माध्यमे पहिल बेर नीक जेना परिचित भेलहुँ माया बाबू स’. अहाँ दुनू गोटे के बहुत बहुत धन्यवाद.

    Reply
  2. Praveen kumar says:
    11 years ago

    bahut nik lagal.

    Reply
  3. Prakash Kr. Jha says:
    11 years ago

    Bal sahitya puraskar lel maya babu de badhaai. Maithili me bal sahitya ke abhav achhi, ehi tarhak puraskar sa ar lekhak sabh bal sahitya dis unmukh hetah se hamra biswas achhi.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि