• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

सोशल नेटवर्किंग वेबसाइट पर बढ़ल मैथिली धाक

January 23, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

गिरिंद्र नाथ

नई दिल्ली। मैथिली क ऑनलाइन प्रसार तेजी स भ रहल अछि। ब्लॉग क दुनिया मे मैथिली मेे साहित्य लिखल जा रहल अछि। तमाम मैथिली ब्लॉग पर समसामायिक विषय पर गंभीर चर्चा भ रहल अछि, जे एहि भाषा कए नवीनता द रहल अछि। मैथिली साहित्य पर चर्चा एकरा आओर गंभीर बना रहल अछि। एकर स्तर कोनो आन क्षेत्रीय भाषा स कम त नहि अछि, बल्कि हिंदी आ अंगरेजी स सेहो कम नहि कहल जा सकैत अछि। किछु एहने हाल सोशल नेटवर्किंग वेबसाइट्स क सेहो छै। फेसबुक, ऑरकुट जेहन साइट पर लोक मैथिली मे खूब टिपिया रहल छथि।
फेसबुक पर त पैघ संख्या मे मैथिली मे लिखनिहार मौजूद छथि। पड़ोसी देश नेपाल एहि मे हमरा सब स किछु आगू अछि। आहि ठामक निवासी जे फेसबुक पर उपस्थित छथि, ओ सब मैथिली मे अपन गप लिख रहल छथि। मैथिली क ऑनलइन प्रसार पर गप करबाक दौरान एहन वेबसाइट्स क नजरअंदाज नहि कैल जा सकैत छैक।
फेसबुक आओर अन्य सोशल नेटवर्किंग वेबसाइट पर लोग गपशप क अलावा मैथिली लेल अभियान सेहो चला रहल छथि। कतैक रास समूह छै, जे मैथिली आओर मिथिला विषय पर केंद्रित छै। फेसबुक पर ‘मैथिली लिखबा मे गर्व महसूस करू’ नाम स एकटा समूह छै, जकर एहन धरि 73 टा सदस्य भ चुकल छै। एहि ठाम खूब चर्चा होएत छै जे आखिर ऑनलाइन दुनिया मे मैथिली क प्रसार कोना कैल जाए।
ऑनलाइन मैथिली क प्रसार मे कंप्यूटर विज्ञान क विशेषज्ञ सेहो जुटल छथि। एकरे परिणाम अछि जे आब मैथिली क ऑपरेटिंग सिस्टम (ओएस) बनि गेल अछि। फेडोरा, जे लिनक्स क एकटा लोकप्रिय वितरण छै, आब मैथिली भाषा मे ओएस जारी क रहल अछि। मैथिली क ओएस बनेबा लेल एखन धरि करीब दस लाख शब्द अनुवाद कैल गेल अछि।
ऑनलाइन दुनिया मे मैथिली क बढ़ैत धाक क पाछु लोकक कहब अछि जे अपन गप अपन भाषा मे लिखबाक आनंद किछु आओर होएत छै। तमाम सोशल नेटवर्किंग वेबसाइट्स आ पोर्टल पर मैथिली मे चर्चा हिंदी या अंगरेजी मे भ रहल चर्चा क बीच एहि भाषा कए नव जीवन द रहल अछि। एकरा आओर समृद्ध करबाक क जरूरत छै। खासकर तकनीक संबंधी चर्चा मैथिली मे बेसी स बेसी करबाक जरूरत छै, जाहि स एकर तकनीकी शब्द मे बढ़ोतरी भ सकए।

Tags: maithili
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

फूड प्रोसेसिंग क 11टा प्रोजेक्ट क लेल समझौता

Esamaad Epaper Website

ई-रिटर्न अप्रैल स अनिवार्य

Esamaad Epaper Website

आब पैघ अधिकारी गाम जा देखता योजनाक हाल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि