• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

तथ्य कए नुका रखलाह मनमोहन: नीतीश

October 17, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह पर पलटवार करैत कहला अछि जे प्रधानमंत्री जी केंद्रीय परियोजना पर तथ्य कए नुका राखि बिहार क जनता कए गुमराह करि रहल छथि। नीतीश इ टिप्पणी मनमोहन क ओहि कथन क संदर्भ मे देलथि अछि जाहि मे इ कहल गेल छल जे यूपीए सरकार बिहार कए सब साल 100 करोड टका अतिरिक्त द रहल अछि आ राज्य सरकार ओकरा सही ढंग से खर्च करबाक अपन जिम्मेदारी नहि निभा रहल अछि।
नीतीश कहला जे इ अतिरिक्त टका यूपीए सरकारक कारण नहि भेट रहल अछि, इ टका झारखंड बनलाक बाद बिहार कए एकटा खास पैकेजक तहत केंद्रक एनडीए सरकार बिहार कए देने अछि, प्रधानमंत्री एहि गप कए नुका रखलाह, आ जनता लग एना प्रस्तुत केलाह जेना ओ बिहार कए सब साल भीख द रहल छथि। नीतीश कहला जे प्रधानमंत्री एहि प्रकार स तथ्य क अनदेखी करताह एकर उम्मीद नहि छल।
नीतीश कहला जे प्रधानमंत्री योजना आयोग क अध्यक्ष छथि आ उक्त राशि क बारे मे किछु बजबा स पहिने ओ योजना आयोग क उपाध्यक्ष स पूछि लेबाक चाही किया कि उक्त राशि त केंद्रीय एजेंसी खर्च करैन अछि राज्य सरकार नहि। ओ कहला केंद्रीय राशि कए लकए जे आरोप राज्य पर लगाउल जाइत अछि ओ नहि लगेबाक चाही मुदा केंद्रीय मंत्री तक धड़ल्ले स एहन आरेाप लगा देश क संघीय ढांचा पर हमला करि रहल छथि।
नीतीश कुमार कहला जे योजनामद क तहत जे सहायता राज्य कए केंद्र स भेटैत अछि ओकर फार्मूला पूर्व स बनल अछि। ओ कहला जे देश मे जे कर संग्रहित होइत अछि ओकर बारे मे योजना आयोग तय करैत अछि जे केतबा केंद्र लग रहत आ केतबा राज्य कए भेटत।
नीतीश कहला जे उक्त टैक्स पर राज्य क अधिकार अछि, एहि लेल केंद्र जे कोनो राज्य कए राशि दैत अछि ओ ओकर कृपा नहि होइत अछि। ओ कहला जे जतए धरि केंद्र प्रायोजित योजना क गप अछि त ओहि मे सहो राज्य क हिस्सा लगैत अछि आओर राष्ट्रीय विकास परिषद मे ओकरा कम करबाक आ ओकरा पर निर्णय राज्य क उपर छोडबाक गप उठाउल गेल अछि। नीतीश कहला जे पूर्व मे केंद्र अपन लग जेतबा हिस्सा रखैत छल वर्तमान मे ओहि स बेसी अपना लग रखैत अछि, राज्य सब कए कम हिस्सा वितरित कैल जा रहल अछि।
ओ कहला जे प्रधानमंत्री कए एकटा अर्थशात्री जेकां बिहार कए देखबाक चाही न कि राजनेता जेकां। नीतीश कहला जे प्रधानमंत्री कए बिहारक केतबा चिंता छैन इ त एहि स साफ भ जाइत अछि जे ओ पिछला पांच साल स प्रधानमंत्री कए बिहार एबाक नोत द रहल छलाह, मुदा हुनका बिहार लेल समय नहि भेटल। ओ कहला जे बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा देबाक मांग लेल सर्वदलीय शिष्टमंडल कए प्रधानमंत्री स समय 2006 स आइ तक नहि भेटल। जखन कि 2004 मे केंद्र मे संप्रग सरकार बनला पर प्रधानमंत्री बिहार कए विशेष पैकेज देबाक गप कहने छलाह, मुदा आइ धरि नहि द सकलाह। एकर अलावा गन्ना स एथनाल बनेबाक अनुमति मांगल गेल जाहि स राज्य मे उद्योग कए माहौल तैयार भ सकैत छल, मुदा केंद्र अनुमति नहि देलक आ त आर बिजली घर लेल कोल लिंकेज नहि द सकल।
ओ कहला जे प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह कोसी बाढ़ त्रासदी क बाद ओकरा राष्ट्रीय आपदा घोषित केलथि, मुदा पीड़ित क लेल अतिरिक्त मदद नहि देलथि।
श्री कुमार कहला जे हुनकर सरकार सिर्फ नदी पर पुल नहि बनेलक बल्कि समाज मे टूटल दिल कए जोड़बा लेल सेहो पुल बनेलक। लोक क मन मे विकास कए लकए उम्मीद जगल अछि।
ओ सवाल केलाह जे जखन बिना काम करनिहार कए 15 साल शासन करबाक अवसर अहां सब देलहुं तखन हमर सरकार त पांच वर्ष में किछु काज जरूर केलक अछि त कि ओकरा अगिला पांच साल क लेल आओर मौका नहि भेटबाक चाही!
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे अगर हुनकर काज आ नीयत पर भरोस अछि त हुनका वोट देब। नीतीश कहला जे हमर पूर्वज काला पानी क यातना झेलकए आजादी दियौलथि, तखन जाकए लोकतंत्र स्थापित भ सकल, मुदा आइ किछु लोक एकर मजाक उड़ा रहल अछि। पंद्रह साल तक राज करनिहार वर-कनिया सत्ता क लेल बेचौन छथि। मौगी कए संबंधित करैत नीतीश कहला जे ओ आन नेता जेना गपक खेती नहि करैत छथि, अहां सब कए आधा अधिकार हमार सरकार द देलक। आब अहां सबहक बारी अछि, भारे भेर तैयार भ मतदान केन्द्र पर जाकए वोट दी। फेर भोजन-भाजन होइत रहत। एकटा गप आर जे पुरुष मतदान नहि करथि हुनका उपवास करा दी।
नीतीश कहला जे हमरा सब कए जेतबा समय भेटल ओतबा मे जे भ सकल मन स काज केलहुं अछि। इ ककरो स नुकायल नहि अछि। अगर कहियो ककरो स कोनो भूल भ गेल हुए त एहि किछु काज कए देखि क्षमा चाहैत छी। ओ कहा जे 2015 तक बिहार विकास क मामला मे ककरो स आगू रहत।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

विकास तखने होइत अछि जखन नीयत साफ हुए: सोनिया

कांग्रेस संग सरकार नहि बनाएब: लालू

पहिल चरण लेल प्रचार क शोर थमहल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

विद्यापति स्मृति पर्व समारोहमे : जिंस ढ़ीला क’ र’…

by संपादक
August 16, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि