• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

हमर स्‍वभाव स विपरीत किरदार अछि कलसनवाली मामी : सुरूचि

July 30, 2011
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

आइ-काल्हि छोट परदा क नव कलाकार मे जे चेहरा चर्चा मे अछि ओहि मे स एकटा छथि मैथिली रंगमंचक लोकप्रिय कलाकार सुरूचि वर्मा। जी टीवी क धारावाहिक ‘भागोवाली‘ मे कलसनवाली मामी क भूमिका मे हिनका बहुत वाहवाही भेट रहल अछि। बिहार क एकटा मध्यम वर्गीय परिवार स वास्‍ता रखनिहारि पटना क मूल निवासी सुरूचि क पिता बैंक मैनेजर छथि। पटना रंगमच क अक्षरा नाट्य संस्थान स जुडल सुरुचि अदाकरा नंदिता दास आ कोंकणा सेन स खासी प्रभावित छथि आ एहि कारण स सुरूचि हिनका सबहक जीवन शैली कए अपना मे आत्मसात करबाक प्रयास क रहल छथि। जतए एक दिस पटना शहर स गिनल चुनल लड़की अभिनय क ख्वाब लकए मुंबई क रूख करैत अछि ओतहि सुरूचि न केवल मुंबई एलीह बल्कि सफलतापूर्वक अपन मंजिल क बाट पर आगू जा रहल छथि। प्रस्तुत अछि वंदना भारती स इ’समाद लेल हुनका स भेल खास गपसपक मुख्‍य अंश-

प्रश्न- अभिनय क ख्याल कोना आयल?
उत्तर- ओना त घर मे ककरो कला क प्रति कोनो झुकाव नहि छल। मैट्रिक क दौरान दीवार पर नाटकक पोस्टर देखि कए नाटक करबाक उत्सुकता भेल। यैह उत्सुकता धीरे-धीरे पैंशन बनल आ बाद मे कैरियर।

प्रश्न- नाटक क लेल कौन कौन संस्थान स जुडलहुं?
उत्तर-पटना क अक्षरा नाट्रय संस्थान स जुडि कए कईटा नाटक मे अभिनय केलहुं। भारतीय नाट्य विद्यालय द्धारा आयोजित भारत रंग महोत्सव मे बिहार क प्रस्तुति ‘जनवासा‘ मे प्रमुख पात्र क भूमिका निभेलहु। चूंकि अभिनय क क्षेत्र मे कैरियर बनेबाक छल ताहि लेल नेशनल स्कूल ऑफ ड्रामा क प्रवेश परीक्षा देलहुं, मुदा सफलता नहि भेटल। फेर मैथली नाट्य निर्देशक कुणाल क सलाह पर मुंबई आबि गेलहुं।

प्रश्न-अभिनय क अलावा कोनो अन्य कैरियर सोचने रही?
उत्तर- दरअसल हम मुंबई यूनिवर्सिटी स ड्रामा मे एमए करबा लेल आयल रही। तखन इ तय नहि छल जे फिल्म या टीवी मे जाएब। इच्‍छा छल जे एमए क बाद लेक्चर या नाटक क प्रोफेसर बनी। मुदा एक साल बाद एहसास भेल जे फिल्‍म मे भाग्‍य आजमाउल जाए। फेर पंकज त्रिपाठी क मदद स प्रकाश झा प्रोडक्शनस क चर्चित सीरियल ‘बाहुबली‘ मे नीक रोल भेट गेल। मुदा किछु एपीसोड क बाद ओ बंद भ गेल।

प्रश्न-बाहुबली क बाद क सफर केहन रहल?
उत्त्र- बाहुबली क बाद आईडिया क एड भेटल। फेर हिन्दी फिल्म अंतरद्धंद्व मे छोट सन रोल भेटल। हिन्दी फिल्म एलएसडी मे सेहो काज भेटल मुदा रोल एडिट करि देल गेल। एकर अलावा बिदाई सीरियल क 20टा एपीसोड मे सेहो काज केलहुं।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

प्रश्न- फिल्म आओर टेलिविजन मे केहन अंतर देखैत छी?
उत्तर- फिल्‍म मे हिरोईन क अलावा लड़की क लेल कोनो खास काज नहि अछि। बस दादी आ माइ क कैरेक्टर बचैत अछि। जखनकि टीवी मे हमारा सब लेल बहुत स्पेस अछि। से दूटा फिल्‍म मे छोट किरदार करबा स नीक नहि लागल। मुदा टीवी मे हमरा नीक काज आ रोल भेट रहल अछि।

प्रश्न-अहांक कैरियर मे घरवाला क केतबा सहयोग रहल?
उत्तर- घर क शुरू स सहयोग छल। मुंबई मे दीदी आ भाई क सहयोग भेटल आ मम्मी-पापा क प्रोत्साहन क बिना इ संभव नहि छल।

प्रश्न- की एखनो नाटक करब नीक लगैत अछि?
उत्तर- बिल्कुल। टीवी मे अभिनय क संग संग हम साल मे एक या दूटा नाटक मे जरूर काज करैत छी।

प्रश्न- जी टीवी क धारावाहिक ‘ भागोवाली‘ आ एहि मे अपन भूमिका क बारे मे किछु बताउ।
उत्तर- एहि धारावाहिक क निर्देशक मोहित झा छथि। रीता भादुड़ी नानी बनल छथि। जहां धरि हमर सवाल अछि त हम कलसनवाली मामी क भूमिका मे छी जे घर क संग संग बाहर क मोर्चा सेहो देखैत छथि। इ किरदार लड़ाकू किस्म क अछि। इ किरदार हमर स्‍वभावक एक दम विपरीत अछि।

प्रश्न- सुरुचि इ’समाद स गप करबा लेल धन्‍यवाद।
उत्तर- इ’समाद आ अहां दूनू कए धन्‍यवाद।

Tags: maithilisuruchi
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

एहि साल पूरा नहि भ सकत कोनो महासेतु

हम फेर बिहार आयब : अमिताभ

Esamaad Epaper Website

तरकारी उत्पादन मे अग्रणी राज्‍य बनल बिहार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि